शिक्षा

दिव्यांग नेना लेल ९० दिवसीय “स्पर्श” कार्यक्रमक भेल उद्घाटन

राजनगर समदिया
*

समग्र शिक्षा अभियानक तहत बिहार शिक्षा परियोजना मधुबनी द्वारा समावेशी शिक्षा सम्भाग अंतर्गत पूर्ण दृष्टि बाधित नेनाक लेल ९० दिवसीय आवासीय “स्पर्श” शिक्षण कार्यक्रमक उद्घाटन कयल गेल। राजकीय मध्य विद्यालय चिचरी कानून गो राजनगरमे संचालित एहि स्पर्श कार्यक्रमक अन्तर्गत दृष्टि बाधित नेनाकेँ ९० दिन धरि ब्रेल लिपिक माध्यमसँ शिक्षित कयल जाएत।

कार्यक्रमक उद्घाटन करैत प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी राजनगर आ स्थानीय जिला पार्षद संजय राम कहलनि कि दृष्टि बाधित नेना लेल संचालित ई कार्यक्रम मीलक पाथर साबित होयत। अतिथि द्वय द्वारा कहल गेल कि एहेन दिव्यांग नेनाक माता-पिताक अतिरिक्त आसपड़ोसक लोक जखनि सरकार द्वारा संचालित योजना सभसँ दिव्यांग लोककेँ जोड़बाक प्रयास करत तऽ ई पैघ पुण्यक कार्य होयत।

उद्घाटन कार्यक्रमकेँ प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी राजनगर योगेंद्र चौधरी आ जिला पार्षद संजय रामक अलावा समावेशी शिक्षा सम्भाग प्रभारी पुष्पा लकड़ा, स्पर्श कार्यक्रम केन्द्र प्रभारी जोखन प्रजापति, प्राथमिक शिक्षक संघ प्रखंड अध्यक्ष मनोज कुमार सेहो सम्बोधित कयलनि। एहि कार्यक्रममे वेतन मैसेंजर मनोज कुमार, प्रधानाध्यापक मकबुलुरह्मान, ढो ग म वि राजनगरक प्रधानाध्यापक मीरा कुमारी, शिक्षक रामकुमार, अजय कुमार, फुल कुमारी, प्रमिला मिश्रा, रानी कुमारी, सुस्मिता कुमारी , कारी मंडल , उदय नारायण सिंह सहित कतेको गणमान्य लोक उपस्थित छलाह।

कार्यक्रमकेँ सम्बोधित करैत वक्तागण कहलनि कि कोनो प्रकारक दिव्यांग होय हुनका सरकारी योजना सभसँ जोड़िकय हुनक जीवन यापन केर आसान बनाओल जा सकैत अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *