शिक्षा

शिक्षा विभाग द्वारा भ्रष्टाचारक आरोपमे डीईओ आ डीपीओ निलम्बित

दरभंगा समदिया
*

बिहार शिक्षा विभाग दरभंगा जिलाक दूटा शिक्षा अधिकारीकेँ निलम्बित कऽ देलक अछि। दुनू भ्रष्टाचारमे संलिप्त पाओल गेल अछि। शिक्षा विभाग जिला शिक्षा पदाधिकारी (DEO) समर बहादुर सिंह आ जिला कार्यक्रम पदाधिकारी (DPO) रवि कुमारकेँ निलंबित कए कारवाई कयलक अछि। दुनू अधिकारीपर बेंच डेस्कक निर्माण सहित टीआरई १ आ टीआरई २क काउंसलिंगक दौरान अभ्यर्थिसँ भारी वसूलीक आरोप लगाओल गेल अछि।

जाञ्चक जिम्मेदारी उप निदेशककेँ सौंपल गेल छल। जाँच रिपोर्टक आधार पर दुनूकेँ शिक्षा विभाग द्वारा निलम्बित कऽ देल गेल अछि। खबरि अछि जे जिला शिक्षा पदाशिकारी आ जिला कार्यक्रम पदाशिकारी पर टीआरई १ आ टीआरई २ मे अभ्यर्थी सभसँ पैघ पैमाना पर घूस लेबाक आरोप छल। एतबे नहि, दुनू पर जिलाक स्कूलमे बच्चासभ लेल बैसबाक आ पढ़बाक लेल बनाओल जा रहल बेंच डेस्कक निर्माणमे महत्वपूर्ण अनियमितताक आरोप सेहो लगाओल गेल छल।

एहि सभ मामिलाक जाञ्चक जिम्मेदारी प्रमंडलीय शिक्षा विभागक उप निदेशककेँ सौंपल गेल छल। प्रमंडलीय उपनिदेशकक रिपोर्टमे दुनू अधिकारीक विरुद्ध टीआरई १ आ टीआरई २ सँ भारी स्तरपर वसूलीक आरोपक सङ्ग-सङ्ग बेंच डेस्कक आपूर्ति करयवला एजेन्सीक विरुद्ध भ्रष्टाचारक आरोपक पुष्टि कयल गेल अछि। एकर बाद उपनिदेशकक विस्तृत रिपोर्टक आधार पर बिहार शिक्षा विभागक अपर मुख्य सचिव एस. सिद्धार्थ दुनू अधिकारीकेँ निलम्बित कऽ कार्रवाई कयलनि। निलंबन अवधिमे हुनकर मुख्यालय जन शिक्षा निदेशालय, विकास भवन, पटनामे स्थापित कयल गेल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *