स्वास्थ्य

दरभंगा एम्स लेल बिहार सरकार केंद्रकेँ देलक १५०.१३ एकड़ जमीन, शिघ्र शुरू होयत निर्माण

दरभंगा समदिया
*

बिहारक दोसर एम्सक निर्माण बहुत जल्दिये शुरू होबय जा रहल अछि। एकर निर्माण दरभंगाक शोभनमे होयत, जकरा लेल केन्द्रक स्वीकृति भेटि गेल अछि। बिहार सरकार एहि निर्माणक लेल १५०.१३ एकड़ जमीन हस्तांतरित कयलक अछि। सोमदिन स्वास्थ्य मंत्री मंगल पाण्डेयक उपस्थितिमे अपर मुख्य सचिव प्रत्यय अमृत, स्वास्थ्य विभागक विशेष सचिव शशांक शेखर सिन्हा एम्स केर कार्यकारी निदेशक सीईओ माधवानन्द करकेँ जमीनक दस्तावेज सौंपलनि। सोमदिन स्वास्थ्य भवनमे आयोजित एकटा समारोहमे ई जमीन एम्सकेँ सौंपल गेल।

एहि अवसर पर स्वास्थ्य मंत्री मंगल पाण्डेय कहलनि जे एम्स दरभंगाक निर्माणमे एकटा डेग आगू बढ़ाओल गेल अछि। ओ कहलनि जे बिहारमे दोसर एम्स केर मंजूरी प्रधानमंत्री द्वारा २०१९ केर कैबिनेटमे देल गेल छल। ओहि समय राज्य सरकार द्वारा कहल गेल छल जे राज्य सरकार एकर निर्माणक लेल कुल १८० एकड़ जमीन देत। मंत्री मंगल पाण्डेय कहलनि जे वर्तमानमे एम्स दरभंगाक १५०.१३ एकड़ जमीन देल जा रहल अछि। एकर अतिरिक्त एम्स दरभंगाकेँ आओर ३७.३१ एकड़ जमीन उपलब्ध कराओल जायत। एम्स लग कुल १८७.४४ एकड़ जमीन होयत जाहि पर मेडिकल कॉलेज अस्पताल, अस्पताल भवन, ओपीडी, छात्रावास आ अन्य निर्माणक प्रशासनिक भवन बनाओल जायत। दरभंगामे एम्स शोभन-एकमी बाईपास लग प्रस्तावित जमीन पर बनबाक अछि। केंद्र सरकारक तकनीकी टीम जमीनक सर्वेक्षण करैत कहलक अछि जे ई एम्स निर्माणक लेल उपयुक्त अछि। २०१९क मंत्रिमंडलमे स्वीकृति भेटलाक बादो राजनीतिक परिदृश्यक कारण एकर निर्माण शुरू नहिं भऽ सकल। मुदा आब एकर निर्माण भूमि हस्तांतरणक तुरन्त बाद शुरू होएत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *