राजनीति

लद्दाखमे पाँचटा नव जिलाक निर्माण बेहतर शासन आ समृद्धिक दिशामे एकटा डेग : प्रधानमंत्री

नई दिल्ली
*

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सोमदिन लद्दाखमे पाँचटा नव जिलाक निर्माणकेँ बेहतर शासन आ समृद्धिक दिशामे एकटा डेग बतौलनि।

एहि सम्बन्धमे केन्द्रीय गृह मंत्री अमित शाह द्वारा साझा कयल गेल एकटा एक्स पोस्टपर प्रतिक्रिया दैत प्रधानमंत्री मोदी लिखलनि, “लद्दाखमे पाँचटा नव जिलाक निर्माण बेहतर शासन आ समृद्धिक दिशामे एकटा डेग अछि। जंस्कार, द्रास, शाम, नुब्रा आ चांगथांग पर आब विशेष ध्यान देल जाएत, जाहिसँ सेवा आ अवसरकेँ लोकक लग आनय पर बेसी ध्यान देल जायत। ओतए केर लोककेँ बधाई।”

एहिसँ पहिने केन्द्रीय गृह मंत्री अमित शाह सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्सक माध्यमसँ लद्दाखमे पाँचटा नव जिला बनयबाक निर्णयक जानकारी देने छलाह।

अमित शाह एक्स पोस्टमे लिखलनि, “प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक विकसित आ समृद्ध लद्दाखक निर्माणक दृष्टिकोणक अनुरूप गृह मंत्रालय केंद्र शासित प्रदेशमे पाँचटा नव जिला बनयबाक निर्णय लेलक अछि। नव जिला जंस्कार, द्रास, शाम, नुब्रा आ चांगथांग प्रत्येक गलीमे शासनकेँ मजबूत करत, आ लोककेँ ओकर घरपर लाभ पहुँचाओत। मोदी सरकार लद्दाखक लोकक लेल प्रचुर अवसर पैदा करबाक लेल प्रतिबद्ध अछि।”

जनतब जे पूर्ववर्ती जम्मू आ कश्मीर राज्यकेँ ५ अगस्त, २०१९ केँ दूटा केंद्र शासित प्रदेशमे विभाजित कऽ देल गेल छल। एकटा केंद्र शासित प्रदेश लद्दाख आ दोसर जम्मू आ कश्मीर अछि। केंद्र शासित प्रदेश होयबाक कारणेँ लद्दाख केन्द्रीय गृह मंत्रालयक प्रत्यक्ष प्रशासनिक नियंत्रणमे अबैत अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *