कृषि

लोकसभा चुनावक बीच केंद्र सरकार प्याजक निर्यात पर लागल प्रतिबंध हटेलक

नई दिल्ली
*

केंद्र सरकार शनिदिन प्याजक निर्यात पर लागल प्रतिबंध हटा लेलक। संगहि सरकार न्यूनतम निर्यात मूल्य (एमईपी) ५०० डॉलर प्रति टन तय कयलक अछि। गौरतलब अछि जे केंद्रक ई फैसला एहन समयमे आयल अछि जखन देशमे चुनाव चलि रहल अछि आ प्याज राजनीतिक दलक लेल हवा बदलय वाला फसल साबित भेल अछि।

विदेश व्यापार मामिलाक महानिदेशालय अपन अधिसूचनामे कहलक, “प्याजक निर्यात नीतिकेँ प्रतिबंधितसँ बदलि मुक्त विषयमे आनल जा रहल अछि।” अगिला आदेश धरि एकर न्यूनतम निर्यात मूल्य तत्काल प्रभावसँ ५५० डॉलर प्रति टन रहत।”

एहिसँ पहिने पछिला साल अगस्तमे केन्द्र प्याजक निर्यातपर आंशिक रूपसँ रोक लगा देने छल आ ३१ दिसम्बर २०२३ धरि एकर निर्यात शुल्क बढ़ाकऽ ४० प्रतिशत कऽ देने छल। मुदा बादमे सरकार ८ दिसम्बर २०२३ केँ एहि साल ३१ मार्च धरि प्याजक निर्यात पर रोक लगा देलक। मार्चमे निर्यात प्रतिबन्धकेँ अगिला आदेश धरि बढ़ा देल गेल छल। एक राति पहिने सरकार प्याजक निर्यात पर ४० प्रतिशत ड्यूटीक घोषणा कयने छल। महाराष्ट्रक किसान निर्यात प्रतिबंधक विरोध कयने छल।

कृषि मंत्रालय मार्चमे प्याज उत्पादनक आंकड़ा जारी कयलक। तदनुसार, २०२३-२४ मे प्याजक उत्पादन (पहिल अग्रिम अनुमान) लगभग २५४.७३ लाख टन होयबाक आशा अछि, जखन कि पछिला साल लगभग ३०२.०८ लाख टन छल। आंकड़ाक अनुसार, महाराष्ट्रमे ३४.३१ लाख टन, कर्नाटकमे ९.९५ लाख टन, आंध्र प्रदेशमे ३.५४ लाख टन आ राजस्थानमे ३.१२ लाख टनक उत्पादनमे कमी आयल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *