बिहारमे नाव पलटलासँ एकटा पैघ दुर्घटना भेल अछि। बताओल जा रहल अछि जे नाव कटिहार जिलामे पलटि गेल। दुर्घटनाक बाद तीनटा शव निकालल जा चुकल अछि। इहो सूचना अछि जे चारि गोटेके सुरक्षित बचा लेल गेल अछि। खबरि आयल अछि जे कतेको लोक लापता अछि।
वास्तवमे, कटिहारक गोलाघाटसँ सकरी गली (झारखंड) जा रहल एकटा डेंगी नाव गंगा नदीक धारामे पलटि गेलासँ एकटा छोट बच्चा सहित तीनटा लोकक मृत्यु भऽ गेल अछि। चारिटा लोकक इलाज प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्रमे चलि रहल अछि, जखन कि चारि गोटेक लापता होयबाक सूचना अछि। गामक लोकक अनुसार, रविदिन भोर लगभग ८:३० बजे गोलाघाटसँ सकरी गली लेल प्रस्थान करयवला नावमे लगभग १८ गोटे सवार छलाह। जहिना नाव गंगाक बीचमे पहुँचल, पलटि गेल। जेना नाव डूबल, ११ गोटे तैर कऽ सुरक्षित स्थान पर पहुँचि गेलाह, जखन कि नदीमे एकटा बच्चा सहित सात गोटे लापता छथि। स्थानीय गोताखोरक सहायतासँ नदीसँ एकटा बच्चा सहित तीनटा लोकक शव निकालल गेल।
घटनाक सूचना भेटैत बीडीओ दुर्गेश कुमार, सीओ स्नेहा कुमारी, आ थानाध्यक्ष कुंदन कुमार गोलाघाट घटना स्थल पर पहुँचलाह आ अन्य लापता लोकक खोजमे लागल छथि। थानाध्यक्ष कहलनि जे झारखण्डक सकरी गली जा रहल एकटा छोट नाव पर १८ गोटे सवार छलाह। एहिमेसँ ११ गोटे सुरक्षित स्थानपर तैर कs अयलाह। नदीसँ एकटा बच्चा सहित तीनटा लोकक शव बरामद कयल गेल अछि। शेष चारि गोटेक खोज जारी अछि।