Latest Newsचुनाव

पहिल सूचिमे भाजपा जारी कयलक अपन 71 उम्मीदवारक नाम

पटना समदिया!!

बिहार विधानसभा चुनावक संबंधमे राजनीतिक गतिविधि तेज भऽ गेल अछि। बिहार विधानसभा चुनावमे भाजपा अपन पहिल उम्मीदवारक सूची जारी कयलक अछि। एहि सूचीमे नौटा महिला उम्मीदवार शामिल छथि। सम्राट चौधरीक अलावा भाजपाक पहिल उम्मीदवारक सूचीमे रामकृपाल यादव, संजीव चौरसिया, विजय सिन्हा, श्रेयासी सिंह, मंगल पांडेय केर नाम शामिल अछि।

पहिल जारी सुचिक अनुसार बेतियासँ रेणु देवी, रक्सौलसँ प्रमोद कुमार सिन्हा, पिपरासँ श्याम बाबू प्रसाद यादव, मधुबनसँ राणा रणधीर सिंह, मोतिहारीसँ प्रमोद कुमार, ढाकासँ पवन जायसवाल, रीगासँ बैद्यनाथ प्रसाद, बथनाहासँ अनिल कुमार राम, परिहारसँ गायत्री देवी, सीतामढ़ीसँ सुनील कुमार पिंटू, बेनीपट्टीसँ विनोद नारायण झा, खजौलीसँ अरुण शंकर प्रसाद, बिस्फीसँ हरिभूषण ठाकुर बचौल, राजनगरसँ सुजीत पासवान, झंझारपुरसँ
नीतीश मिश्रा, छतपुरसँ नीरज कुमार सिंह बबलू, नरपतगंजसँ देवन्ति यादव, फारबिसगंजसँ विद्यासागर केसरी
सिकटीसँ विजय कुमार मंडल, किशनगंजसँ स्वीटी सिंह, बनमनखीसँ कृष्ण कुमार ऋषि, पूर्णियासँ विजय कुमार खेमका, कटिहारसँ तरकिशोर प्रसाद, प्राणपुरसँ निशा सिंह, कोढ़ासँ कविता देवी, सहरसासँ आलोक रंजन झा, गौरा बौरामसँ सुजीत कुमार सिंह, दरभंगासँ संजय सरावगी, केवटीसँ मुरारी मोहन झा, जालेसँ जीवेश मिश्रा, औराईसँ राम निषाद, कुधनीसँ केदार प्रसाद गुप्ता, बारुराजसँ अरुण कुमार सिंह, साहेबगंजसँ राजू कुमार सिंह, बैकुण्ठपुरसँ मिथिलेश तिवारी, सिवानसँ मंगल पाण्डेय, दारुण्डसँ कर्णजीत सिंह, गोरेयाकोठीसँ देवेश कांत सिंह, तरैयासँ जनक सिंह, अमनौरसँ कृष्ण कुमार मंटू, हाजीपुरसँ अवधेश सिंह, लालगंजसँ संजय कुमार सिंह, पाटेपुरसँ लखेन्द्र कुमार रोशन, मोहिउद्दीननगरसँ राजेश कुमार सिंह, बछवासँ सुरेन्द्र मेहता, तेघरासँ रजनीश कुमार, बेगूसरायसँ कुंदन कुमार, भागलपुरसँ रोहित पाण्डेय, बांकासँ राम नारायण मंडल, कटोरियासँ पुरन लाल तुडू, तारापुरसँ सम्राट चौधरी, मुंगेरसँ कुमार प्रणय, लखीसरायसँ विजय कुमार सिन्हा,
बिहारशरीफसँ सुनील कुमार, दीघा संजीव चौरसिया, बांकीपुरसँ नितिन नवीन, कुम्हरारसँ संजय गुप्ता, पटना साहबसँ रत्नेश कुशवाहा, दानापुरसँ रामकृपाल यादव, बिक्रमसँ सिद्धार्थ सौरव, बरहरासँ राघवेन्द्र प्रताप सिंह, आरासँ संजय सिंह टाइगर, तारारीसँ विशाल प्रशांत, अरवलसँ मनोज शर्मा, औरंगाबादसँ त्रिविक्रम सिंह,
गुरुआसँ उपेन्द्र डांगी, गया सिटीसँ प्रेम कुमार, वजीरगंजसँ बीरेन्द्र सिंह, हिसुआसँ अनिल सिंह, वारसालीगंजसँ अरुणा देवी, जमुईसँ श्रेयासी सिंह केर टिकट भेटल अछि।

जनतब देब जे एनडीएमे नीतीश कुमारक पार्टी जनता दल यूनाइटेड, भारतीय जनता पार्टी, लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास), राष्ट्रीय लोक मोर्चा आ हिंदुस्तानी आवाम मोर्चा शामिल अछि। बिहारमे दू चरणमे मतदान होएत। पहिल चरण 6 नवंबर आ दोसर चरण 11 नवंबर कए होएत, जाहिमे 14 नवंबरकेँ मतगणना होएत।

आर अनेक समाचार पढ़य लेल एहि लिंकसँ पढ़ि सकैत छी ई-पेपर आ डाउनलोड सेहो कऽ सकैत छी बिल्कुल निःशुल्क : mppdainik.com/e-paper
दीपावली, छठि आदिक शुभकामना देबय लेल एहि नंबर पर संदेश भेजी : 7480018873

Spread the love