मुजफ्फरपुरक प्रसिद्ध किडनी मामिलाक पीड़ित सुनीता केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्री जेपी नड्डासँ भेंट कs किडनी प्रत्यारोपणक गुहार लगेलीह, जकर बाद केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्री जेपी नड्डा हुनका आश्वासन देलखिन कि ओ निश्चित रूपसँ हुनका लेल किछु करताह।
वास्तवमे केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्री जेपी नड्डा मुजफ्फरपुरक एसकेएमसीएचमे सुपर स्पेशियलिटी अस्पतालक उद्घाटन करय लेल पहुँचल छलाह। हुनका संग बिहारक उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी आ विजय सिन्हा, स्वास्थ्य मंत्री मंगल पाण्डेय सहित कतेको वरिष्ठ नेता सेहो छलाह। मुजफ्फरपुरक एसकेएमसीएच अस्पतालमे लगभग दू सालसँ भर्ती प्रसिद्ध किडनी कांडक शिकार सुनीता के जखन पता चलल जे केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्री आबि गेल छथि तऽ ओ कोनो तरहेँ अपन पतिक संग हुनकर मंच पर पहुँचलीह। ओना सुरक्षा बल हुनका रोकबाक प्रयास कयलक, मुदा जखनि जेपी नड्डा मंचसँ उतरय लगलाह तखन सुनीता हुनक सोझाँ आबि किडनी लगयबाक विनती कयलनि। केन्द्रीय मंत्री जेपी नड्डा रुकि गेलाह आ हुनक बात सुनलनि आ फेर कहलनि जे ओ जल्दिये हुनका लेल किछु करताह। एहि दौरान उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी सेहो कहलखिन जे हम सब जल्दिये अहाँक लेल किछु करब।
किडनी पीड़िता सुनीता बतौलनि जे केंद्रीय मंत्री हुनका कहलनि अछि जे जल्दिये हुनक किडनी प्रत्यारोपित कयल जायत। २०२२ मे मुजफ्फरपुरक बरियारपुरमे एकटा निजी क्लिनिकमे गर्भाशयक ऑपरेशनक क्रममे हुनक दुनू किडनी निकालि देल गेल छल। तहियासँ ओ एसकेएमसीएचमे डायलिसिस पर लगातार जीवित छथि। ओना आरोपी डॉक्टरकेँ अदालत सजा सुना देलक अछि आ ओ जेलमे बंद अछि, मुदा एतय सुनीता किडनीक प्रतीक्षामे एसकेएमसीएचमे दिन बिता रहल छथि।