रोजगार

बिहार पुलिस सिपाही भर्ती परीक्षाक तिथि तय, परीक्षा ५४५ केंद्र पर, दिशानिर्देश जारी

पटना
*

सीएसबीसी बिहार पुलिस सिपाही परीक्षा २०२४ परीक्षाक लेल १७ लाख ८१ हजार ७२० अभ्यर्थी आवेदन कयने छथि। परीक्षा ७ सँ २८ अगस्त तक होएत।

बिहार पुलिस सिपाही भर्ती परीक्षा तिथि जारी कऽ देल गेल अछि। परीक्षा ७ सँ २८ अगस्त तक होएत। परीक्षा दुपहरिया १२ बजे सँ दुपहरिया २ बजे धरि एकहि पालीमे आयोजित कयल जायत। शुक्रदिन (०२ अगस्त) आयोगक अध्यक्ष जितेन्द्र कुमार एहि परीक्षाक जानकारी देलनि। कहलखिन जे एहि बेर पेपर लीक नहिं होएत। एहि परीक्षाक लेल कुल १७,८१,७२० अभ्यर्थी आवेदन कयने छथि। ई परीक्षा राज्यक ३८ जिलाक ५४५ केन्द्र पर आयोजित कयल जायत।

दरअसल, सिपाही भर्ती परीक्षा १ अक्टूबर, २०२३ केँ भेल छल, मुदा पेपर लीक भऽ गेल छल। एहेनमे परीक्षा रद्द कए देल गेल। आब परीक्षा फेरसँ आयोजित कएल जा रहल अछि। आयोगक अध्यक्ष जितेन्द्र कुमार कहलनि जे पुलिस मुख्यालय आ राज्य सरकार द्वारा परीक्षाक सभ तैयारी पूरा कऽ लेल गेल अछि। परीक्षाक सुचारू आ कदाचार मुक्त संचालनक लेल जिला पदाधिकारी आ पुलिस अधीक्षककेँ राज्य सरकार द्वारा परीक्षा समन्वयककेँ रूपमे नियुक्त कयल गेल अछि।

जानकारीक अनुसार सिपाही भर्ती परीक्षाक अभ्यर्थीकेँ हुनकर गृह जिलामे केंद्र आवंटित नहिं कयल गेल अछि। जिला, तिथि आ केन्द्र रैंडम प्रक्रियाक माध्यमसँ आवंटित कयल गेल अछि। प्रवेश पत्र परीक्षाक तिथिसँ सात दिन पहिने डाउनलोड कयल जा सकैत अछि। अभ्यर्थीक प्रवेशक समय भोर ०९:३० बजे आ प्रवेश १०:३० बजे बन्द कय देल जाएत। परीक्षा दुपहर १२:०० बजेसँ ०२:०० बजे तक होएत।

परीक्षा ७, ११, १८, २१, २५ आ २८ अगस्तकेँ होएत। परीक्षा होयबासँ एक सप्ताह पहिने प्रवेश पत्र जारी कयल जायत। ७ अगस्तकेँ होबयवला परीक्षाक प्रवेश पत्र जारी कऽ देल गेल अछि। प्रवेश पत्र सीएसबीसीक वेबसाइट https://www.csbc.bih.nic.in। सँ डाउनलोड कएल जाए सकैत अछि।

दोसर दिस आयोगक अध्यक्ष सभ अभ्यर्थी सभकेँ चेतौनी देलनि अछि जे ओ सोशल मीडिया आ कोनो आन माध्यमसँ गलत सूचना वा जालमे नहि पड़ैथ। टेलीफोन वा मोबाइल वा सोशल मीडियाक माध्यमसँ कोनो उम्मीदवारसँ व्यक्तिगत रूपसँ सम्पर्क नहिं कयल जाइत अछि। परिषद आ अभ्यर्थीक बीच संचारक माध्यम केंद्रीय चयन परिषद (सिपाही भर्ती), बिहारक वेबसाइट पर पूर्व रिकॉर्ड कयल गेल समूह संचार वा अभ्यर्थीक आवेदनमे पंजीकृत ई-मेल वा मोबाइल नंबर अछि। एकर अतिरिक्त यदि कियो हुनकासँ कोनो आन रूपमे सम्पर्क करैत अछि तऽ हुनका नजदीकी पुलिस स्टेशनकेँ सूचित करय केर चाही।

जनतब जे परीक्षाक माध्यमसँ २१,३९१ रिक्त पद पर पात्र अभ्यर्थीकेँ भर्ती कयल जायत। परीक्षाक दौरान भीड़-भाड़सँ बचबाक लेल परीक्षा मात्र एक पालीमे आयोजित कयल जा रहल अछि। परीक्षा केंद्र पर व्यापक व्यवस्था कयल गेल अछि। सीसीटीवीसँ निगरानी कएल जाएत। लाइव फीड पर्षद मुख्यालयक नियंत्रण कक्ष द्वारा प्राप्त कयल जायत। प्रत्येक कक्षमे जैमर लगाओल गेल अछि जाहिमे ५जी आ वाई-फाई सिग्नल सेहो जाम करबाक क्षमता छैक। केंद्राधीक्षकसँ सीधा संवादक लेल हाॅटलाइनक रुपमे विशेष फोन सेहो लगाओल गेल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *