यातायात

चारि शहरमे दौड़त जमालपुर रेल कारखानामे बनल मेट्रो, मेड इन बिहारक बाजत डंका

पटना समदिया
*

बिहारक चारि शहरमे चलि रहल मेट्रो रेल, मेड इन बिहार होयत। मेट्रो रेलक निर्माण बिहारक जमालपुर रेल कारखानामे कयल जायत। जमालपुर रेल कारखानामे बनल मेट्रो बिहारक दरभंगा सहित चारि शहरमे संचालित करबाक योजना अछि। मिथिला क्षेत्रीय बिहारक मुजफ्फरपुर, दरभंगा, भागलपुर आ गयामे मेट्रो रेल सेवा शुरू भऽ रहल अछि। एतबे नहि, जँ सब किछु ठीक-ठाक चलैत अछि तखन पटना मेट्रोक मेंटनेंसक काज जमालपुर रेल कारखानाकेँ देल जा सकैत अछि। मेट्रो रेल निगम सेहो अपन तैयारी शुरू कऽ देलक अछि।

पटनाक अतिरिक्त बिहारक चारिटा आओर शहरमे मेट्रो सेवा शुरू करबाक योजनापर काज तेजीसँ चलि रहल अछि। पटनामे मेट्रो ट्रेन २०२५ मे शुरू होबयवला अछि। पटनाक अतिरिक्त आब अगिला साल धरि चारिटा आओर शहरमे मेट्रो रेल सेवा शुरू करबाक तैयारी चलि रहल अछि। रेलवे पहिल चरणमे पटनासँ शुरू होबय बला मेट्रो रेल संचालनक लेल रेलगाड़ीक रखरखाव आ निर्माणक लेल जगह तकनाय शुरू कऽ देलक अछि। पटना मेट्रोक काज तेजीसँ चलि रहल अछि। हालहिमे मीडियासँ बातचीत करैत कोलकाता मेट्रो रेलक महाप्रबंधक पी उदय कुमार रेड्डी कहलनि जे भारतीय रेलवेमे जमालपुर रेल कारखानाक कुशल कारीगरी बजि रहल अछि। जमालपुर कारखाना भविष्यमे मेट्रो रेलक मरम्मत आ निर्माणमे पूर्ण रूपसँ सक्षम होयत। एकरा लेल एतय आवश्यक बुनियादी ढांचाक विस्तार कयल जायत। जमालपुर रेल कारखाना देशक पहिल रेल कारखाना अछि, जे १४० टनक डीजल हाइड्रोलिक क्रेन आ जमालपुर जैकक निर्माण करैत अछि। जमालपुर रेल कार्यशाला बिहारमे मेट्रो रेलक रखरखाव आ निर्माणक लेल मीलक पत्थर साबित होयत।

मेंस कांग्रेस रेल यूनियनक प्रभारी सचिव जितेन्द्र कुमार कहलनि जे मेट्रोक महाप्रबंधक जमालपुर पहुंचब निश्चित रूपसँ कारखानाक लेल नीक संकेत अछि। ओ कहलनि जे जमालपुर रेल कारखानाक इतिहास जतेक गौरवशाली अछि, एकर भविष्य ओतबे उज्ज्वल अछि। जतय बनल, मेट्रो रेल निश्चित रूपसँ सबसँ नीक उत्पादमेसँ एक होयत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *