राजनीति

मनीष वर्मा जनता दल यूनाइटेड केर राष्ट्रीय महासचिव

पटना
*

जनता दल यूनाइटेड पूर्व आईएएस अधिकारी मनीष वर्माकेँ एकटा पैघ जिम्मेदारी सौंपलक अछि। जदयू अध्यक्ष नीतीश कुमार हुनका पार्टीक राष्ट्रीय महासचिव नियुक्त कयलनि अछि। वास्तवमे सीएम नीतीशक करीबी मानल जाय वाला आईएएस अधिकारी मनीष वर्मा किछु दिन पहिने जेडीयूमे शामिल भेलथि। तहियासँ बिहारमे राजनीतिक हलचल तेज भऽ गेल अछि।
मनीष वर्मा मंगल दिन जेडीयूमे शामिल भेलाह। मनीष वर्मा ओडिशा कैडरक पूर्व आईएएस अधिकारी छथि।

बिहारक मुख्यमंत्री आ जनता दल (यूनाइटेड)क अध्यक्ष नीतीश कुमार पूर्व आईएएस अधिकारी मनीष वर्माकेँ एकटा पैघ जिम्मेदारी सौंपलनि। नीतीश कुमार हुनका जेडीयूक राष्ट्रीय महासचिव बनौलनि अछि।
वास्तवमे सीएम नीतीशक करीबी मानल जाय वाला आईएएस अधिकारी मनीष वर्मा किछु दिन पहिने जेडीयूमे शामिल भेल छथि। तहियासँ बिहारमे राजनीतिक माहौल गर्म भऽ गेल अछि।

अनुमान लगाओल जा रहल छल जे नीतीशक पार्टी मनीष वर्माकेँ एकटा पैघ जिम्मेदारी दऽ सकैत अछि। एहेन स्थितिमे अटकलबाजीक दौर बृहस्पतिकेँ समाप्त भऽ गेल।

ओडिशा कैडरक पूर्व आईएएस अधिकारी मनीष वर्मा मंगलदिन नीतीश कुमारक जनता दल (यूनाइटेड) मे शामिल भेलाह। जेडीयू राज्य कार्यालयमे आयोजित एकटा कार्यक्रममे हुनका पार्टीक सदस्यता देल गेल छल।

मनीष वर्माकेँ जदयू केर राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष संजय झा, विजय चौधरी आ जदयू केर प्रदेश अध्यक्ष उमेश कुशवाहा पार्टीमे प्रवेश करौलनि। ओ मुख्यमंत्रीक सचिवक रूपमे सेहो काज कऽ चुकल छथि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *