८-९ जुलाई धरि होबयवला २२म भारत-रूस शिखर सम्मेलनक लेल मोदीक यात्रासँ पहिने एतय संवाददातासभकेँ जानकारी दैत विदेश सचिव विनय क्वात्रा कहलनि जे पछिला सभ शिखर सम्मेलनमे जखनि-जखनि प्रधानमंत्री रूसी राष्ट्रपतिसँ भेंट कयलनि अछि तखनि-तखनि दुनू नेता द्वारा दुनू देशक लेल क्षेत्रीय आ वैश्विक महत्वक मुद्दा उठाओल गेल अछि।
प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आ रूसक राष्ट्रपति व्लादिमीर पुतिन अगिला सप्ताह मास्कोमे भेँट करय जा रहल छथि। यूक्रेनमे युद्धक ग्लोबल साउथ पर पड़यवला प्रभाव आ रूसी सेनामे गुमराह कर शामिल कयल गेल भारतीय नागरिकक शीघ्र रिहाई पर चर्चा होयबाक आशा अछि। ग्लोबल साउथमे ओ देश सम्मिलित अछि जे विकासशील, अल्प विकसित अछि।
विदेश सचिव कहलनि जे शिखर सम्मेलनक अतिरिक्त, ई मुद्दा २०२२ मे समरकंदमे एससीओ शिखर सम्मेलनसँ अलग आयोजित बैसारमे सेहो उठाओल गेल अछि। मोदी आ पुतिन अन्तिम बेर सितम्बर २०२२मे उज्बेकिस्तानक समरकंदमे शंघाई सहयोग संगठन (एससीओ) शिखर सम्मेलनक दौरान द्विपक्षीय वार्ता कयलनि। एहि बैसारमे मोदी पुतिन पर यूक्रेनमे संघर्ष समाप्त करबाक लेल दबाव बनबैत कहलनि जे आजुक युग युद्धक नहिं अछि।