बीपीएससी नोटिस जारी कए सूचित कयलक अछि जे शिक्षक भर्ती परीक्षा आब २७ जूनसँ शुरू होएत।
पटना उच्च न्यायालय द्वारा तेसर चरणक शिक्षक भर्ती परीक्षा पर रोक लगेलाक बाद आब बिहार लोक सेवा आयोग यानी बीपीएससी सब जिलाक डीएमकेँ पत्र भेजने अछि, जाहिमे लिखने अछि परीक्षा २७ सँ ३० जून तक कक्षा १ सँ ५, ६ सँ ८, ९ सँ १० आ ११ सँ १२ तकक ८७,७७४ पदक लेल आयोजित होएत। ई परीक्षा एक पालीमे होबयवला अछि, तेँ ६ जून धरि परीक्षा केन्द्रक सूची उपलब्ध कराउ जाहिसँ परीक्षा समय पर आयोजित कयल जा सकय।
बीपीएससी परीक्षा नियंत्रक सत्य प्रकाश शर्मा कहलनि जे शिक्षक भर्ती परीक्षाक तिथि बदलि देल गेल अछि। पटना उच्च न्यायालयक निर्देशक अनुसार अतिथि शिक्षककेँ सेहो मौका देबय पड़त। एकर बाद फेरसँ आवेदन लेल जाएत, तेँ परीक्षाक तिथि बदलि देल गेल अछि। तेसर चरणक शिक्षक भर्ती परीक्षा ७ सँ १० जूनक बीच होबयवला छल, जाहि पर पटना उच्च न्यायालय रोक लगा देलक। २९ मईकेँ पटना उच्च न्यायालय तेसर चरणक शिक्षक भर्ती परीक्षा पर रोक लगा देने छल। एतबे नहि, कोर्ट प्लस २ स्कूलक अतिथि शिक्षकसभकेँ वेटेज देबाक मामिलामे आदेश देने छल। न्यायालय प्रत्येक वर्षक आधार पर ५ अंक आ ५ सालक आधार पर २५ अंक केर महत्व देबाक निर्देश देलक। न्यायालय स्पष्ट रूपसँ कहलक जे पिछड़ल आ अति पिछड़ल विभागक शिक्षकसभकेँ महत्व भेटि रहल अछि। आयोग द्वारा लेल गेल शिक्षक भर्तीमे हुनका वार्षिक आधार पर ५ अंकक वेटेज भेटैत छैक। पिछड़ल आ अति पिछड़ल विभागक अतिथि शिक्षक आ शिक्षक दुनू अध्यापनक काज करैत छथि, तेँ हुनका लोकनिकेँ सेहो महत्व भेटबाक चाही।