कांग्रेसक राष्ट्रीय अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे मंगलदिन फेर दावा कयलनि जे एखन धरि पूरा देशमे पाँच चरणमे चुनाव भेल अछि। भाजपाक सीट सब जगह घटि रहल अछि। एहि लेल इंडिया गठबंधन सरकार बनाबय जा रहल अछि। ओ मंगलदिन हरियाणाक यमुना नगरमे एकटा चुनावी जनसभाकेँ सम्बोधित कऽ रहल छलाह।
खड़गे कहलनि, “हरियाणामे भाजपाक सरकार अनैतिक आ अल्पमतक सरकार अछि। एतय सेहो भारी बहुमतसँ कांग्रेस सरकार बनाबय जा रहल अछि। एकर संकेत स्पष्ट रूपसँ देखाइ दैत अछि। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीपर राजनीतिक हमला करैत ओ कहलनि जे मोदी आब भारतक जनतासँ १००० सालक विकासक लेल पूछि रहल छथि। जँ हम सभ ध्यानसँ सुनब तऽ नोटबंदीक दौरान मोदीजी कहलनि जे हम देशसँ मात्र ६० दिन मांगैत छी। मोदीजी देशसँ विदेशसँ काला धन वापस आनय लेल १०० दिनक मांग कयलनि। नीक दिनक लेल मोदीजी देशक जनतासँ १० साल धरिक समय मांगने छलथि। फेर मोदीजी अमृत कालक सपना देखौलनि आ २०४७ धरि विकसित भारतक सपना देखेलनि। आब मोदीजी ३०४७ केर भव्य भारतक बात कए रहल छथि।
मोदीक विकास आ हर साल २ करोड़ रोजगार देबाक वादा पर प्रहार करैत खड़गे कहलनि जे ओ अपन कार्यकालमे किछु नहिं कयलनि। बल्कि ई लोकसभकेँ आपसमे लड़ेबाक काज कयलक अछि। गरीबी हटाओ के मुद्दा पर जवाब दैत ओ कहलनि कि मोदी आइ कहि रहल छथि जे हम ८० करोड़ लोककेँ ५ किलो राशन मुफ्तमे दऽ रहल छी। खाद्य सुरक्षा योजना कांग्रेस सरकार द्वारा लागू कयल गेल छल। मोदी अपन नाम बदलि कऽ अपन फोटो राखि लेलनि आ ताली बजाबय चाहैत छथि। जखन कि हुनक शासनकालमे गरीब आर बेसी गरीब भऽ गेल अछि।
खड़गे कहलनि जे देशमे इंडिया गठबंधनक सरकार बनलाक बाद खाली पड़ल ३० लाख पद प्राथमिकताक आधार पर भरल जायत। जे गरीब आ आर्थिक रूपसँ कमजोर छथि हुनका प्रत्येक मास १० किलो राशन देल जायत। महिला सभक खातामे हर साल एक लाख रुपया देल जायत जाहि सँ ओ आर्थिक रूपसँ सक्षम बनि सकय। युवासभकेँ रोजगारक नीक साधन सेहो प्रदान कयल जायत। ओ आर बहुत रास योजना सभ गिनौलनि।