चुनाव बिहारक पूर्व उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादवक दावा, खराब अछि एनडीए केर स्थिति May 4, 2024 Maithil Punarjagran Prakash दरभंगा * बिहारक दरभंगा यात्राक क्रममे पूर्व उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव भाजपा आ चिराग पासवान पर निशाना साधने छथि। ओ कहलनि जे एहि लोकक हालत खराब अछि। तेजस्वी यादव कहलनि जे हम आ मुकेश साहनी महागठबंधनक पक्षमे घूमि रहल छी। ओतहि भाजपा दिसिसँ, कखनो राजनाथ सिंह, कखनो नड्डा जी, कखनो अमित शाह आबि रहल छथि, कखनो प्रधानमंत्री आबि रहल छथि। अर्थात्, हुनकर स्थानीय आ गठबन्धनक नेता सभ बेकार छथि। ओ लोक काज नहिं कए रहल छथि। ओ कहलनि जे हम तऽ कहैत छी जे पुतिन, डोनाल्ड ट्रम्प, तानाशाह किम जोंग, हुनको सभकेँ बजा प्रचार करा लेथु, मुदा किछु नहिं होबयवला अछि। चिराग पासवानकेँ आरक्षण विरोधी बताबैत ओ कहलनि जे चिराग कहैत छथि, जे समृद्ध दलित छथि हुनका आरक्षण छोड़बाक चाही। तेँ की समृद्ध दलित चिराग पासवान नहिं छथि, जकरा समस्तीपुरसँ टिकट भेटल, जकरा जमुईसँ टिकट भेटल, की ओ समृद्ध नहिं छथि ? ओ कहलनि जे हम चिराग पासवानकेँ फेर मोन पाड़ि देलहुं अछि जे संविधानमे जे प्रावधान अछि , ओ बाबा साहेब भीमराव अम्बेडकरक अछि आ अहाँ एकर विरुद्ध गप कऽ रहल छी। भाजपा नेता सभ कतेको बेर मंचसँ संविधान समाप्त करबाक बात करैत देखल गेल छथि, जकरा हम वीडियो सेहो डालने छलहुँ। Spread the love