सोमदिन प्रधानमंत्री उत्तर प्रदेशक अलीगढ़ पहुँचलाह आ एतय एकटा विशाल जनसभाकेँ सम्बोधित कयलनि। विपक्ष पर निशाना साधैत ओ कहलनि, “पिछला बेर जखन हम अलीगढ़ आयल छलहुं तखन हम अहाँ सबसँ अनुरोध कयने छलहुं जे सपा आ कांग्रेसक पारिवारिक शासन, भ्रष्टाचार आ तुष्टीकरणक कारखाना बंद कऽ दियौ आ अहाँ लोकनि एतेक मजबूत ताला लगा देलियै जे दुनू राजकुमारकेँ आइ धरि चाबी नहिं भेटि रहल अछि।
प्रधानमंत्री मोदी कहलनि, “अहाँक एक वोट बहुत महत्वपूर्ण अछि। पहिने सीमा पर जखनि-तखनि बमबारी होइत छल। आइ ई सब बंद भए गेल। पहिने आतंकवादी बम विस्फोट करैत छल, श्रृंखलाबद्ध विस्फोट होइत छल। आब सिलसिलेवार बम विस्फोट पर पूर्णविराम लागल अछि।
मोदी कहलनि “कांग्रेस, समाजवादी पार्टी सन भ्रष्ट दल अहाँक समस्याक कखनो परवाह नहिं करैत छल। गरीबकेँ पाइयो देलासँ कहियो पूरा राशन नहिं भेटैत छल, बिचौलिया लूटैत छल। आइ अलीगढ़ आ हाथरसमे लाखो लोककेँ मुफ्त राशन भेटि रहल अछि।
ओ कहलनि “आईएनडीआई गठबंधनवाला एतेक निराश अछि जे हुनका लग भविष्य दिस तकबाक साहसे नहिं रहल। ई लोकसभ अपन परिवार आ सत्ताक लोभक अतिरिक्त किछु नहिं करैत छथि आ मात्र जनताकेँ धोखा दैत छथि।”
पीएम मोदी कहलनि “हम ओहि लोकक आँखि खोलय चाहैत छी जे योगी आदित्यनाथकेँ मात्र बुलडोजरसँ चिन्हैत छथि। उत्तर प्रदेशमे स्वतन्त्रताक बाद जतेक औद्योगिक विकास नहिं भेल, ओहिसँ बेसी औद्योगिक विकास असगर योगी आदित्यनाथक कालखंडमे भेल अछि। योगी आदित्यनाथक सरकार विकासकेँ नव ऊँचाइ पर लऽ गेल अछि।”