निदेशक, उच्च शिक्षा विभाग, बिहार डॉ. रेखा कुमारी द्वारा राजनगर स्थित विश्वेश्वर सिंह जनता महाविद्यालय केर औचक निरीक्षण कयल गेल। ओ प्रधानाचार्य कक्षमे प्रधानाचार्य प्रो. (डॉ.) जीवानंद झा, वरिष्ठ प्राध्यापक व आईक्यूएसी निदेशक डॉ. राजकुमार राय, महाविद्यालयक बर्सर प्रोफेसर विशाल व हिंदीक विभागाध्यक्ष डॉ. बिभा कुमारी आदि शिक्षकगणसँ गपशप कयलनि। एहि अवसर पर क्लास रूम, मूक क्लास रूम, परीक्षा विभाग, स्टाफ रूम पुस्तकालय, प्रयोगशाला इत्यादिक भ्रमण आ बिंदुवार निरीक्षण कयलनि। वर्तमान समयमे ऑनलाइन शिक्षाक प्रासंगिकता केर देखैत ओ मूक क्लास रूम अध्यापनक लेल प्राध्यापककेँ विशेष रूपसँ प्रोत्साहित कयलनि। एन. एस. एस. द्वारा आयोजित जागरूकता अभियानक विषयमे सेहो ओ रुचि लैत कार्यक्रम पदाधिकारी डॉ. बिभा कुमारीसँ एहि अभियानक अंतर्गत छात्र – छात्राक दैनिक गतिविधिक विषयमे चर्चा कयलनि। जन्तुविज्ञान प्रयोगशालामे सीप कल्चर संबंधी कार्यमे ओ अभिरुच लैत प्राध्यापक डॉ. रामबालक महतोसँ कार्यक प्रगतिक लऽ कऽ गपशप कयलनि। महाविद्यालयक इमारतक स्थितिक लऽ कऽ ओ पुरातत्व विभागसँ संपर्क करबाक सलाह देलनि। महाविद्यालयक आगंतुक विवरणिका मेओ अपन अनुभव साझा करैत कहलनि कि महाविद्यालय – भवनक ऐतिहासिक महत्व केर दृष्टिगत करैत ओ मरम्मती करबाक आवश्यक अछि। ओ ग्रामीण क्षेत्रक विद्यार्थीक शिक्षाक प्रति प्रधानाचार्य आ शिक्षकक प्रयासक सराहना कयलनि। अतिथि प्राध्यापक एवं आउटसोर्स कर्मीक द्वारा उच्च शिक्षा निदेशकक समक्ष नियमित वेतन भुगतान कयल जयबाक निवेदन कयल गेल।जेकरा ओ ध्यानपूर्वक सुनैत एहि दिशामे निराकरणक सकारात्मक आश्वासन देलनि।