राजनीति

एमएलसी उपचुनावमे पराजयक बाद जदयू उम्मीदवार अभिषेक झा कहलनि : ‘हमरा संग भेल विश्वासघात’

मुजफ्फरपुर
*

जदयू नेता अभिषेक झा कहलनि कि एनडीए गठबंधनक सब नेताकेँ विशेष आभार जे पूरा चुनाव प्रक्रियामे सहयोग नहि कयलथि।

बिहार विधान परिषदक तिरहुत स्नातक निर्वाचन क्षेत्रक उपचुनावमे जेडीयू केर हारिक बाद एनडीएमे हंगामा भ गेल अछि। नीतीश कुमारक पार्टीक उम्मीदवार आ प्रवक्ता अभिषेक झा मोर्चा खोलि देलनि अछि।ओ हारिक लेल षड्यंत्रकेँ दोषी ठहरौलनि।

ई जेडीयू केर सीट छल। देवेश चन्द्र ठाकुर एमएलसी छलाह। ओ सीतामढ़ीसँ जेडीयू सांसद बनलाह। तखनि उपचुनाव भेल। जेडीयू अभिषेक झाकेँ उम्मीदवार बनेलक। ओ राजगक उम्मीदवार छलाह आ चारिम स्थान पर रहलाह।

जदयू नेता अभिषेक झा आरोप लगओलनि, “भीतरघात भेल अछि। विश्वासघात भेल अछि। हमरा खिलाफ षड्यंत्र छल, षड्यंत्र छल। हुनका सभकेँ धन्यवाद जे षड्यंत्र कयलक आ धोखा देलक, कारण एहिसँ बहुत सीख भेटल। एनडीए गठबंधनक ओहि सभ नेताक विशेष आभार जे पूरा चुनाव प्रक्रियामे सहयोग नहि कयलनि। विरोध कएलक। हमर फोन लेनाइ सेहो उचित नहि समझल गेल। ओ पार्टी फोरममे अपन बात रखताह। हमरा उम्मीदवार बनेबाक लेल पार्टीकेँ धन्यवाद।”

राजद प्रवक्ता ऋषि मिश्रा कहलनि, “भाजपा अभिषेक झाकेँ हराबय केर काज कयलक। भाजपाक किछु एजेंट अछि जे जदयू नेता अछि। ओ सभ अभिषेककेँ पराजित करबाक काज सेहो कयलनि। भाजपाक आदत अछि जे ओ अपन सहयोगी दलकेँ धोखा दैत अछि। अरुणाचलमे जदयू केर छओ विधायककेँ भाजपा तोड़ि देलक।

राजद नेता आगू कहलनि, “चिरागक पांच सांसदकेँ भाजपा तोड़ि देलक। एकनाथ शिंदेकेँ महाराष्ट्रक मुख्यमन्त्री नहि बनाओल गेल। जखनि कि हुनका सभकेँ वादा कएल गेल छल। आब भाजपा उपचुनावमे जेडीयू केर संग खेल खेलि चुकल अछि। अभिषेक झाकेँ बुझबाक चाही जे जेडीयूमे सेहो हुनका संग की भऽ रहल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *