सत्ता पक्ष आ विपक्ष एक दोसरा पर आरोप लगबैत आ हंगामा करैत रहलाक कारण राज्यसभा आ लोकसभाकेँ मंगलदिन दिनभरिक लेल स्थगित कऽ देल गेल।
राज्यसभामे सदनक नेता जे पी नड्डा जॉर्ज सोरोस फाउंडेशनक सङ्ग सम्पर्ककेँ लऽ कऽ कांग्रेसक विरुद्ध अपन आरोप दोहरओलनि। ओ कहलनि जे ओ कांग्रेसक नेता जॉर्ज सोरोस द्वारा वित्त पोषित संस्थानक सदस्य छथि। विपक्षकेँ स्पष्ट करबाक चाही जे देशक सुरक्षा आ सम्प्रभुताक लेल खतरा बला लोकक सङ्ग की सम्बन्ध अछि। देश जानय चाहैत अछि। ओ कहलनि, “विदेशी शक्ति हमर देशकेँ अस्थिर करए चाहैत अछि। आइ प्रधानमंत्री मोदीक नेतृत्वमे भारत दुनियाक पाँचम अर्थव्यवस्था बनि गेल अछि।”
नेता प्रतिपक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे एहि आरोपकेँ खारिज कयलनि। ओ कहलनि जे सत्तारूढ़ दल अडाणी मुद्दापर चर्चा करबासँ भागि रहल अछि।”
सभापति जगदीप धनखड़ नड्डा आ खड़गेक सङ्ग अपन कक्षमे बैसार कयलनि जाहिसँ ई सुनिश्चित कयल जा सकय जे सदन सुचारू रूपसँ चलय।
कार्यवाही शुरू भेलाक छह मिनटक भीतर लोकसभा अध्यक्ष ओम बिड़लाकेँ सदन दुपहरिया १२ बजे धरि स्थगित करय पड़लनि। तहिना सभापति जगदीप धनखड़ सेहो राज्यसभाक कार्यवाही दुपहरिया १२ बजे धरि स्थगित कऽ देलनि।
दुपहरिया १२ बजे सदनक कार्यवाही शुरू भेलाक तुरन्त बाद राज्यसभा आ लोकसभा दुनूमे नव हंगामा आ नाराबाजी भेल। परिणामस्वरूप दुनू सदनक कार्यवाही शोर-शराबाक बीच दिन भरि लेल स्थगित कऽ देल गेल। आब सदनक बैठक बुध ११ दिसंबरकेँ फेरसँ होएत।