बिहारमे २०२५ मे विधानसभा चुनाव हेबाक अछि। बिहारक राजनीति गर्म भऽ गेल अछि। राष्ट्रीय जनता दल (राजद) सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव नीतीश कुमार पर कटाक्ष करैत की कहि गेलैथ। राष्ट्रीय जनता प्रमुख लालू प्रसाद यादव बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर प्रहार करैत ई बाजि गेलथि। राजद प्रमुख लालू प्रसाद यादव सोमदिन बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक ‘महिला संवाद यात्रा’ पर ई बाजि गेलथि।
लालू यादव मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक महिला संवाद यात्रा पर कहलनि कि, ‘नीतीश कुमार आंखि (आंखि) सेंकय जा रहल छथि।’ नीतीश कुमारक एहि दावापर जे ओ २०२५ मे २२५ सीट जीतताह, राजद सुप्रीमो कहलनि, “पहिने ओ अपन आँखि सेंकि लैथ। बिहारमे महागठबंधनक सरकार बनत।”
एहि पर जदयूसँ राज्यसभा सांसद संजय झा कहलनि जे, “लालू प्रसाद यादवक आधा आबादीक प्रति केहेन भाव छनि, से हुनक एहि वक्तव्यसँ ज्ञात होइत अछि।”
मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक ‘महिला संवाद यात्रा’ पर राजद प्रमुख लालू प्रसाद यादवक टिप्पणी पर प्रतिक्रिया व्यक्त करैत गिरिराज सिंह कहलनि, “नीतीश कुमारक बारेमे एतेक खराब बात मात्र लालू प्रसाद कहि सकैत छथि। जिनकर अपन जीवन दागी रहल अछि ओ नीतीश कुमार पर टिप्पणी कए रहल छथि। ओ एकटा स्वार्थी व्यक्ति छथि।”
जनता दल (यूनाइटेड)क वरिष्ठ नेता राजीव रंजन सेहो नीतीश कुमारक महिला रैली पर लालू प्रसाद यादवक टिप्पणीक आलोचना कयलनि। राजीव रंजन कहलखिन, “लालूकेँ पता नहि होएत जे बिहारक जनता हुनका पहिने कोना बर्दाश्त कयलक। एहि लोकक मानसिकता घृणित अछि। हुनकर असली चरित्र आब उजागर भए गेल अछि।”
लालू प्रसाद यादवक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक आंखि सेंकय वाला टिप्पणी एहेन समयमे आयल अछि जखनि नीतीश कुमार महिला संवाद यात्रा शुरू करबाक घोषणा कयलनि अछि। ई यात्रा पार्टी आ सरकारक महिला सभसँ सीधा सम्पर्क करबाक एकटा पहल अछि।