अनुसंधान-विज्ञान

पीएसएलवी-सी५९क प्रक्षेपण ‘प्रोबा-३’ अन्तरिक्ष यानमे भेटल खराबीक कारण बृहस्पति धरि भेल स्थगित

श्रीहरिकोटा
*

भारतीय अंतरिक्ष अनुसंधान संगठन (इसरो)क समर्पित वाणिज्यिक मिशन यूरोपीय अंतरिक्ष एजेंसी (ईएसए) केर प्रोबा-३ अंतरिक्ष यानक प्रक्षेपण बुधकेँ रद्द कऽ देल गेल। आब एहि अन्तरिक्ष यानक प्रक्षेपण आइ बृहस्पतिकेँ होयत। इसरो कहलक जे पीएसएलवी-सी५९क प्रक्षेपण ‘प्रोबा-३’ अन्तरिक्ष यानमे भेटल खराबीक कारण बृहस्पति धरि स्थगित कऽ देल गेल अछि।

४४.५ मीटर ऊँच ई रॉकेट लगभग १८ मिनटक यात्राक बाद ५५० किलोग्राम वजनक प्रोबा-३ उपग्रहकेँ तय कक्षामे स्थापित करत। प्रोबा-३ (ऑन-बोर्ड स्वायत्तताक परियोजना) मे दूटा उपग्रह शामिल छैक जाहिमे दूटा अंतरिक्ष यान एक सङ्ग उड़त आ सूर्यक बाहरी वायुमण्डलक अध्ययन करबाक लेल एक मिलीमीटर धरि सटीक संरचना बनाकऽ रखत।

इसरो कहलक जे पीएसएलवी-सी५९ ईएसएक प्रोबा-३ उपग्रहकेँ कक्षामे स्थापित करबाक लेल तैयार अछि। एनएसआईएल द्वारा इसरोक अभियांत्रिकी उत्कृष्टताक सङ्ग संचालित ई मिशन अंतर्राष्ट्रीय सहयोगक शक्तिकेँ प्रदर्शित करैत अछि।

प्रोबा ३ मे पठाओल जायवाला उपग्रह आपसमे जुड़ल रहत, जकरा अन्तरिक्षमे अलग कऽ देल जायत। एकर दूटा मुख्य भाग होएत। एकटा भाग प्रयोगात्मक होयत आ दोसर भाग स्थिति उत्पन्न करबाक काज करत। प्रयोगात्मक भागमे कोरोना ग्राफ होयत, जे सूर्यक कोरोनाक चित्र लेत। दोसर भाग एकटा आकल्टर डिस्क होयत, जे लगभग १.४ मीटर आकारक होयत आ १५० मीटरक दूरीसँ कोरोना ग्राफक लेंस पर ८ सेंटीमीटरक छवि बनाओत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *