नई दिल्ली
*
केन्द्र सरकार वित्तीय वर्ष २०२४-२५क दोसर छमाही (अक्टूबर सँ मार्च) मे पछिला सालक एहि अवधिक तुलनामे पूँजीगत व्ययमे २५ प्रतिशतक वृद्धि कऽ सकैत अछि। ई जानकारी निवेश फर्म जेफरीजक रिपोर्टमे देल गेल।
रिपोर्टमे कहल गेल अछि जे राज्यमे लोकलुभावन योजनामे वृद्धि भेल अछि। एहेन स्थितिमे केन्द्र सरकार एहि स्थितिकेँ सन्तुलित करबाक लेल बुनियादी ढाँचा परियोजनासभपर निवेश बढ़ाओत, जाहिसँ विकास दरमे सहायता भेटत आ बेसी रोजगारक सृजन होयत।
रिपोर्टमे आशा कयल गेल अछि जे २०२४-२५क उत्तरार्धमे समाज कल्याण योजनासभ पर आवंटन सहित केन्द्र सरकारक कुल व्ययमे साल-दर-साल लगभग १५ प्रतिशतक वृद्धि होयत। एहिसँ पता चलैत अछि जे सरकार आर्थिक विकास दरकेँ बढ़ावा देबाक लेल आ पूँजीगत व्ययमे २५ प्रतिशतक उच्च वृद्धिक माध्यमसँ बेसी रोजगारक सृजन करबाक लेल पैघ बुनियादी ढाँचा परियोजनासभ पर जोर दऽ रहल अछि।
रिपोर्टमे कहल गेल अछि जे राज्य चुनावमे हस्तांतरण योजना (सरकार द्वारा सीधे जरूरतमंद लोकनिकेँ धन हस्तांतरण)क बढ़ैत सफलता, जेना महाराष्ट्रक कल्याणकारी कार्यक्रम, जकर लागत सालाना ४६,००० करोड़ रुपैया (राज्यक सकल घरेलू उत्पादक १.१ प्रतिशत) अछि, लोकलुभावन योजनासभक सम्भावित लहरीक विषयमे चिन्ता उत्पन्न करैत अछि।