हरिहरपुर, भराठी आ सिमरी पंचायतमे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक आगामी 15 दिसंबरसंँ प्रस्तावित महिला जनसंवाद यात्राक जिलावार तैयारी हेतु अधिकारी सभ क्षेत्र भ्रमण कय रहल छथि । उप विकास आयुक्त चित्रगुप्त कुमार , एसडीएम विकास कुमार , डीपीएम मनरेगा आमना , अंचलाधिकारी नेहा कुमारी , प्रखंड पंचायती राज पदाधिकारी मधुकांत प्रसाद , पीओ यशवंत कुमार , अभियंता उमाशंकर प्रसाद ओम पंचायत भवन सिमरी पहुंचिकय सीएम जनसंवाद कार्यक्रमक लऽकय चर्चा कयलनि।
मुख्य सचिव अमृत लाल मीणा द्वारा निर्गत पत्रक अनुसार तैयारी केर जायजा लेल जा रहल अछि । सात निश्चय पार्ट वन-टू , जल जीवन हरियाली आदि कार्यक्रम सबहक समीक्षा , जिलामे संचालित महत्वपूर्ण परियोजना सबहक शुभारंभ , स्थल भ्रमण , विभिन्न लाभुक समूह संग संवाद , जिला स्तरीय योजना सबहक समीक्षा बैसारमे भऽ सकैत अछि।
जिलान्तर्गत भ्रमण हेतू संभावित पांच गाम आ ओहिसँ सबंधित परियोजना , संवाद आ समीक्षा बैसारक लेल स्थल चयन , विवरणी आ गामक अंतिम चयन मंत्रिमंडल सचिवालय आ विभाग द्वारा कयल जायत। अधिकारी सभ सिमरी पंचायत भवन पर सीओ , बीपीआरओ आ मुखिया दिनेश महतो , पंचायत समिति सदस्य तमन्ना अंसारी , पैक्स अध्यक्ष कारी यादव , पूर्व मुखिया भोला पासवानसँ पंचायत सरकार भवन , पुस्तकालय , पोखैर आदि केर सौन्दर्यीकरण मुद्दा पर चर्चा कयल गेल ।