राजनीति

तेजस्वी यादव राजदक बागी विधायक पर कारवाई नहिं होयबा पर भड़कलाह, नियमक अनदेखीक लगौलनि आरोप

पटना
*

बिहार विधानसभाक शीतकालीन सत्रक चारिम दिन बैसबाक व्यवस्थाकेँ लऽ कऽ हंगामा भेल। नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव कहलनि जे राजदक बागी विधायक सत्ता पक्ष दिसि बैसि रहल छथि, मुदा अध्यक्ष कारवाई नहि कए रहल छथि। नियमकेँ अनदेखा कएल जाए रहल अछि।

संवाददाता सभसँ बातचीत करैत तेजस्वी यादव कहलनि जे स्मार्ट मीटर पर चर्चाक लेल स्थगन प्रस्ताव छल, जकरा विधानसभा अध्यक्ष नन्द किशोर यादव खारिज कऽ देलनि। लोककेँ अनुचित बिजली बिल भेटि रहल अछि। स्मार्ट मीटरसँ लोक परेशान अछि। हम पहिनहि कहि चुकल छी जे पूरा देशमे बिहारमे सबसँ महग बिजली भेटैत अछि, जँ हमर सरकार बनत तऽ हम २०० यूनिट मुफ्त बिजली देब।

ओ आगू कहलनि जे दोसर मुद्दा बैसबाक व्यवस्थाक छल। विधानसभाक तेसर सत्र चलि रहल अछि। राजदक बागी विधायक मंत्रीक सीट पर बैसि रहल छथि। नियमक रूपमे ओ एखनो राजद विधायक छथि। हुनकर सीट विपक्षी खेमामे अछि। ओ कहलनि जे विधानसभा अध्यक्ष नन्द किशोर यादवक प्रति हुनका बहुत सम्मान अछि। हमरा विश्वास अछि जे एहि सभ चीज केर देखबाक काज करताह।

ओ कहलनि जे बागी विधायकसभक विरुद्ध कारवाईक माँग लिखित रूपमे कयल गेल छल। तेजस्वी यादव कहलनि, “बागी विधायक सत्तारूढ़ दलक खेमामे बैसल छथि। सबके सीट आवंटित अछि। पार्टी एहि कारवाईक बारेमे लिखने अछि, तैयो कोनो कारवाई नहि कयल जा रहल अछि।”

पूर्व उपमुख्यमंत्री यादव कहलनि जे अध्यक्ष हमर अभिभावक छथि। ओ कहलनि सीट आवंटित कए देल गेल अछि। बागी विधायक बीचमे कतहु बैसय चाहैत छलाह, मुदा हम कहलहुं जे ई पार्टी तय करतै जे के कतए बैसैत वा अहाँ हुनकर सदस्यताक खिलाफ कारवाई करब। ओ कहलनि, “हम पार्टीक नेता छी, कोन विधायक कतए बैसताह से हम तय करब। एना होबय लागत तखनि पार्टीक की मतलब रहि जाएत ?

प्रश्न करैत ओ आगू कहलनि जे बागी विधायक व्हिपक उल्लंघन कयने छथि। जँ पार्टी पत्र लिखलक तखनि एखनि धरि कोनो कारवाई किएक नहि कयल गेल अछि ?

एहिसँ पहिने राजदक बागी विधायकक बैसबाक व्यवस्थाकेँ लऽ कऽ विधानसभामे भारी हंगामा भेल छल। बागी विधायकक मंत्रीक सीट पर बैसबाक लऽ कऽ राजद विधायक वेल पर आबि हंगामा करय लगलाह। एहि पर विधानसभा अध्यक्ष नंद किशोर यादव मार्शलकेँ बजा कए राजद विधायक भाई वीरेंद्रकेँ सदनसँ बाहर करा देलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *