तेजस्वी लिखलनि, “संविधान आ आरक्षण विरोधी मोदी सरकार कृषि अनुसंधान एवं शिक्षा विभागक अधीन विज्ञापित ३६८ पदक नियुक्तिमे सेहो एकल पदक तहत विज्ञापन प्रकाशित कऽ, संगमे ई लिखि कि ‘सभ रिक्ति अनारक्षित अछि’ आरक्षण समाप्त कऽ देलक अछि।”
केन्द्र सरकार यूपीएससीकेँ भारी विवादक बीच नौकरशाहीमे लेटरल एंट्रीसँ सम्बन्धित भर्ती विज्ञापन वापिस लेबाक निर्देश देलक अछि। मुदा एहि निर्देशक बाद राजनीति आर तेज भऽ गेल अछि। लोकसभामे विपक्षक नेता राहुल गांधी कहलनि कि हम भाजपाक लेटरल एंट्री सन षड्यंत्र केर नाकाम करब।
ओतहि तेजस्वी यादव कहलनि जे आरक्षण विरोधी मोदी सरकार कृषि अनुसंधान आ शिक्षा विभागमे आरक्षण समाप्त क देलक अछि।
सरकारी नौकरीमे आरक्षणकेँ लऽ कऽ विपक्ष केन्द्रक नरेन्द्र मोदी सरकारपर लगातार हमला कऽ रहल अछि। बिहारक पूर्व उपमुख्यमंत्री आ राष्ट्रीय जनता दल (राजद) सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर हमला करैत कहलनि, “यूपीएससी मे लेटरल एंट्री केर बाद आब संविधान आ आरक्षण विरोधी मोदी सरकार कृषि अनुसंधान आ शिक्षा विभागक तहत विज्ञापित ३६८ पदक नियुक्तिमे एकल पद केर तहत विज्ञापन प्रकाशित कए दलित, पिछड़ा आ आदिवासीक लेल आरक्षण समाप्त कऽ देलक अछि आ लिखने अछि जे सब रिक्त पद अनारक्षित अछि।”
ओ आगू कहलनि, “आरएसएस कथित नकली ओबीसी प्रधानमंत्री आ अप्रभावी ओबीसी कृषि मंत्रीक हाथसँ आब कृषि विभागक नियुक्तिमे सेहो आरक्षण समाप्त करा रहल अछि। की नीतीश कुमार, चिराग पासवान आ जीतन राम मांझी दलित आ अन्य पिछड़ा वर्गक एहि हकदारीक खिलाफ बजताह ?” कृषि वैज्ञानिक चयन बोर्डक रिक्ति अधिसूचना जे तेजस्वी साझा कयने छथि ओ ७ अगस्तकेँ जारी कयल गेल छल।
एम्हर केंद्र सरकार द्वारा यूपीएससीकेँ लेटरल एंट्रीसँ जुड़ल विज्ञापन रद्द करबाक निर्देश देलाक बाद कांग्रेस नेता राहुल गांधी एक्स पर कहलनि जे ओ हर हालमे संविधान आ आरक्षण प्रणालीक रक्षा करताह। संगहि भाजपाक लेटरल एंट्री जेहेन साजिश केर हर हालमे नाकाम कय कऽ देखौताह।
ओतहि कांग्रेस मंगलदिन सरकारक फैसलाक बाद दावा कयलक जे राहुल गाँधी आ कतेको अन्य विपक्षी नेताक विरोधक कारण प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक नेतृत्ववला सरकार लेटरल एंट्रीक मुद्दा पर पाछू हटबाक लेल बाध्य भेल आ भर्तीसँ जुड़ल विज्ञापन वापिस लेबाक निर्णय लेलक।
कांग्रेस अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे दावा कयलनि, “जाबत धरि भारतीय जनता पार्टी आ राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ सत्तामे अछि, ओ आरक्षण छीनबाक लेल नव रणनीति अपनबैत रहत। हमरा सबकेँ एहि बारेमे सावधान रहए पड़त।”