कांग्रेस अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे मंगलदिन एकटा कार्यक्रममे लोकसभकेँ सम्बोधित करैत इलेक्ट्रॉनिक वोटिंग मशीन (ईवीएम) पर सवाल उठौलनि आ मतपत्रसँ चुनावक माँग कयलनि।
कांग्रेस अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे कहलनि जे हम जे कहबाक कोशिश कऽ रहल छी ओकरा हमर नेता प्रतिपक्ष राहुल गांधी सेहो स्वीकार करैत छथि। पूरा शक्तिक संग एससी-एसटी, ओबीसी, गरीब लोक आ छोट-छोट समुदायक लोक अपन वोट दऽ रहल छथि, ओ वोट बेकार जा रहल अछि। हमरा ईवीएम केर जरूरत नहिं अछि। मतदान मतपत्रसँ होएबाक चाही।
ओ ओहि मशीनकेँ अपन घरमे राखथु वा पीएम मोदीक घरमे अथवा अमित शाहक घरमे राखौथ। अहमदाबादमे कतेक गोदाम अछि, ओकरा ओतए लऽ जा कऽ राखल जाय। हमरा बैलेट पेपर पर करू। भाजपा पर कटाक्ष करैत ओ कहलनि जे ओहि समय अहाँके पता चलत जे अहाँक स्थिति की अछि। की अहाँ जनैत छी जे अहां कतए ठाढ़ छी ?
ओ आगू कहलखिन जे हमरा सबकेँ अपन पार्टीक तरफसँ अभियान शुरू करय केर चाही।सभ लोककेँ कहबाक चाही, हम सभ दलसँ पूछब आ मतपत्रसँ चुनावक लेल राष्ट्रव्यापी अभियान चलायब, जेना राहुल गांधीक नेतृत्वमे भारत जोड़ो यात्रा निकालल गेल छल।
एहिसँ पहिने मध्य प्रदेशक पूर्व मुख्यमंत्री दिग्विजय सिंह ईवीएम पर सवाल उठौने छलाह। ओ कहने छलाह जे महाराष्ट्रक चुनाव परिणाम देखैत ई अनुमान लगायल जा सकैत अछि जे भाजपा जे चाहैत छल, ओ भऽ गेल अछि।
सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर एकटा पोस्टमे दिग्विजय सिंह कहलनि, “भाजपा जे चाहैत छल, महाराष्ट्रमे चुनाव परिणाम सामने आबि गेल अछि। भाजपा महाराष्ट्रमे १४८ उम्मीदवार उतारने छल, जाहिमे सँ १३२ उम्मीदवार जीति चुकल छथि। एहेन स्थितिमे अजित पवार आ शिवसेना (शिंदे) के बिना सरकार बनि सकैत अछि।”
ओ ईवीएम पर सेहो सवाल उठौलनि। ओ कहलनि जे ई चुनाव ईवीएममे हेरफेर कऽ जीतल गेल अछि।