मौसम

अररिया, हाजीपुर आ किशनगंजमे सांस लेबामे कठिनाई, रेड जोनमे ११ जिला

पटना
*

मिथिला क्षेत्रीय बिहारक ११ जिलामे वायुक गुणवत्ता बहुत खराब श्रेणीमे बनल अछि। ओतहि भागलपुर, बक्सर आ बेगूसरायमे लोक भोर-साँझ स्वेटर पहिरब शुरू कऽ देलक अछि। एहि जिलासभमे प्रशासन द्वारा ठंढाक कारण लोकक ठहरबाक लेल आश्रय गृह बनाओल जा रहल अछि, जतय कम्बल आ बिछौनाक व्यवस्था कयल जायत।
बिहारमे बढ़ैत वायु प्रदूषणसँ चिन्ता बढ़ि गेल अछि। सांस लेबामे घुटन आ आँखिमे जलन होइत अछि। ११ जिलामे हवाक स्थिति गम्भीर श्रेणीमे बनल रहल। सोमदिन अररिया आ हाजीपुरक सड़कपर ठंढ़क संग कुहेसक देखल गेल।

अररिया आ हाजीपुरमे वायु गुणवत्ता सूचकांक ३०० सँ ऊपर दर्ज कयल गेल, जकर अर्थ अछि जे एतय वायुक गुणवत्ता खतरनाक श्रेणीमे अछि।
राजधानी पटनाक हवा सेहो गम्भीर श्रेणीमे बनल रहल। सोमदिन भोरमे पटनामे एक्यूआई २६९ दर्ज कयल गेल। मौसम विभागक अनुसार पटनामे न्यूनतम तापमान १७ डिग्री सेल्सियस आ अधिकतम तापमान २८ डिग्री सेल्सियस रहबाक सम्भावना छल। ओतहि बक्सरक एक्यूआई २४०, बेगूसराय २२७ आ भागलपुरक २९६ छल। मुजफ्फरपुरमे एक्यूआई २५६, मोतिहारी २४१ आ मुंगेर २१४ छल।
अररियामे वायु गुणवत्ता सूचकांक ३२६ दर्ज कयल गेल। ओतहि हाजीपुरमे एक्यूआई ३३८ दर्ज कयल गेल। भोरमे किशनगंजक सड़कपर हल्लुक कुहेस देखाइ पड़ल। एक्यूआई ३०३ दर्ज कयल गेल छल। मौसम विभागक अनुसार अररियामे सोमख मौसम साफ रहबाक अनुमान छल। दुपहरियामे रौद मुदा, रातिमे ठंढा आ तापमान १७ डिग्री सेल्सियस धरि जा सकय केर अनुमान छल।

बिहारशरीफमे ठंढ पहुँचि गेल अछि। रातिमे न्यूनतम तापमान १७ डिग्री सेल्सियस धरि पहुँचि गेल। मौसम विभागक अनुसार, सोमदिन अधिकतम तापमान २७ डिग्री सेल्सियस रहबाक सम्भावना छल। मुदा, एतय वायुक गुणवत्ता सेहो खराब श्रेणीमे बनल अछि। एक्यूआई २६२ दर्ज कयल गेल।

एहि ११ जिलाक एक्यूआई क्रमशः -: अररिया – ३२६, हाजीपुर-३३८, किशनगंज-३०३, पटना–२६९, बिहारशरीफ-२६२, भागलपुर-२९६, बक्सर-२४०, बेगूसराय-२२७, मुजफ्फरपुर-२५६, मोतीहारी-२४१, मुंगेर-२१४ छल।

भागलपुर, बक्सर आ बेगूसरायमे लोक भोर-साँझ स्वेटर पहिरब शुरू कऽ देलक अछि। मुदा, ठंढाक कारण आश्रितलोकनिक ठहरबाक लेल एहि जिलासभमे आश्रय गृह बनाओल जा रहल अछि, जतय कम्बल आ बिछौनाक व्यवस्था कयल जायत। मौसम विभागक अनुसार भागलपुरमे सोमदिन न्यूनतम तापमान १६ डिग्री सेल्सियस आ अधिकतम तापमान २७ डिग्री सेल्सियस रहबाक सम्भावना छल। ओतहि बक्सरमे न्यूनतम तापमान १४ डिग्री सेल्सियस आ अधिकतम तापमान २८ डिग्री सेल्सियस रहबाक सम्भावना छल। बेगूसरायमे न्यूनतम तापमान १७ डिग्री सेल्सियस रहबाक सम्भावना छल।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *