नीतीश मंत्रिमंडलक बैसारमे अल्पसंख्यक समुदाय लेल १०० करोड़ टाकासँ बेसीक योजनाकेँ मंजूरी देल गेल। पटना आ बेतियामे अल्पसंख्यक आवासीय विद्यालयक निर्माण होयत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक अध्यक्षतामे भेल मंत्रिमंडलक बैसारमे ई निर्णय लेल गेल।
एहि बैसारमे ९ टा एजेण्डाकेँ मंजूरी देल गेल। आजुक बैसारक खास बात ई छल जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कैबिनेटमे बिहारक अल्पसंख्यक समाजक लोकक लेल १०० करोड़सँ बेसी केर योजना पारित कयलथि।
एकर अन्तर्गत बिहार राज्य अल्पसंख्यक आवासीय विद्यालय योजनाक अन्तर्गत पटना जिलाक मसौढ़ी अंचल नूरामे एहि योजनाकेँ मंजूरी देल गेल। एकर अन्तर्गत ५६० आवास क्षमतावला अल्पसंख्यक आवासीय विद्यालयक निर्माण कयल जायत। एकरा लेल ५६,६५,४२००० टाकाक राशि स्वीकृत कयल गेल। ई आवासीय विद्यालय भवन निर्माण विभाग द्वारा बनाओल जायत।
ओतहि बिहार राज्य अल्पसंख्यक आवासीय विद्यालय योजनाक तहत पश्चिम चंपारण (बेतिया) केर चनपटिया अंचलमे ५६० आवास क्षमता वाला अल्पसंख्यक आवासीय विद्यालयक भवनक निर्माणक लेल कैबिनेट मे ५०,४७,७४००० रुपयाक मंजूरी भेटल अछि। एकर अतिरिक्त अल्पसंख्यक कल्याण विभाग द्वारा संचालित बिहार राज्य अल्पसंख्यक आवासीय विद्यालयक छात्र/छात्राक निवास अवधिक दौरान भोजन, जलपान, पोशाकक आपूर्ति, विद्यालय परिसरक साफ-सफाई आ वस्त्र धोबय केर काज निर्धारित दर पर जीविकासँ सेवा लेबय केर स्वीकृति लेल गेल अछि।