राजनीति

‘नहला पर दहला’ आ आब आप’क मंत्री कैलाश गहलोत पार्टी छोड़ि भाजपामे शामिल

नई दिल्ली
*

दिल्लीमे शह-मातक राजनीतिक खेल जारी अछि। एखने समाचार आयल छल जे भाजपाक दू बेरक विधायक रहल अनिल झा ‘आप’मे शामिल भऽ गेलाह तऽ आब समाचार आयल जे ‘आप’क मंत्री कैलाश गहलोत भाजपामे सम्मिलित भऽ गेलाह, अर्थात नहला पर दहला।

दिल्लीमे अगिला साल होबय वाला विधानसभा चुनावसँ पहिने आम आदमी पार्टी (आप) केर एकटा पैघ झटका दैत वरिष्ठ नेता आ परिवहन मंत्री कैलाश गहलोत रविदिन पार्टी छोड़ि देलनि। गहलोत आम आदमी पार्टीसँ इस्तीफा दऽ भाजपामे शामिल भऽ गेलाह।

ओ आरोप लगओलनि जे लोकक प्रति पार्टीक प्रतिबद्धता ओकर राजनीतिक महत्वाकांक्षामे पाछू छूटि गेल अछि। आम आदमी पार्टीक संयोजक अरविन्द केजरीवालकेँ पठाओल अपन त्यागपत्रमे गहलोत (५०) कहलनि, “जनताक अधिकारक लेल लड़बाक बदला हम मात्र अपन राजनीतिक एजेण्डाक लेल लड़ि रहल छी।”

आप’क प्रमुख चेहरा गहलोत कटाक्ष करैत “शीशमहल” सन किछु “शर्मनाक” विवादक उल्लेख करैत कहलनि जे एहिसँ सभकेँ सन्देह होइत अछि जे “हम एखनो अपनाकेँ ‘आम आदमी’ मानैत छी कि नहि।”

आम आदमी पार्टीक राज्यसभा सांसद संजय सिंह कहलनि, “कैलाश गहलोतपर ईडी, आयकर विभाग कतेको बेर छापा मारि चुकल अछि। ओ पाँच साल धरि सरकारक हिस्सा छलाह आ भाजपा लगातार हुनक विरुद्ध षड्यंत्र कऽ रहल छल, ओ आब वैऽह दोहरा रहल छथि, जे भाजपा कहैत छनि, ई भाजपा के षड्यंत्र अछि।”

भाजपा कहलक जे गहलोत, पूर्वक कतेको आन लोक जकाँ, पार्टी छोड़ि देलनि किएक तँ आम आदमी पार्टी अपन संयोजक अरविन्द केजरीवालक हितक पूर्ति लेल अपन मूल्यसँ दूर चलि गेल। आम आदमी पार्टी पर तीक्षण हमला करैत भाजपाक राष्ट्रीय प्रवक्ता शहजाद पूनावाला कहलनि जे आम आदमी पार्टी “अपन राजनीतिक मूल्य बदललक” आ “खास” बनि गेल।

नजफगढ़क विधायक गहलोत तत्काल प्रभावसँ मंत्रिपरिषदसँ इस्तीफा दऽ देलनि। आधिकारिक सूत्र बतौलनि जे दिल्लीक मुख्यमंत्री आतिशी हुनकर इस्तीफा स्वीकार कऽ लेलनि अछि।

सूत्रक कहब छनि जे गहलोतक विभाग मुख्यमंत्रीक लग बनल रहत आ एहि सम्बन्धमे एकटा पत्र दिल्लीक उपराज्यपालकेँ हुनक अनुमोदनक लेल पठाओल गेल अछि।

अप्रैलमे राज कुमार आनन्द आप सरकारमे समाज कल्याण मंत्रीक पदसँ इस्तीफा दऽ पार्टी छोड़ि देलनि। ओ जुलाईमे भाजपामे शामिल भऽ गेलाह। आप सरकारमे पूर्व मंत्री राजेन्द्र पाल गौतम सितम्बरमे आप छोड़ि कांग्रेसमे शामिल भऽ गेलाह।

सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर केजरीवालकेँ लिखल अपन पत्र साझा करैत गहलोत कहलनि, “आम आदमी पार्टीक सामने गम्भीर चुनौती अछि। ई चुनौती ओही मूल्यक लेल अछि जे हमरि सभकेँ आपमे एक सङ्ग अनलक। राजनीतिक महत्वाकांक्षाक सामने जनताक प्रति हमर प्रतिबद्धता पाछू हटि गेल अछि, जाहि कारणेँ बहुत रास वादा पूरा नहि भेल अछि।”

ओ आगू कहलनि, “यमुना एकर एकटा उदाहरण अछि जकरा हम सब स्वच्छ नदी बनेबाक वचन देने छलहुँ मुदा कहियो नहि कऽ सकलहुँ। आब यमुना नदी संभवतः पहिलुक तुलनामे आओर बेसी प्रदूषित भऽ गेल अछि।”

ओ कहलनि, “एकटा आओर दुखद बात ई अछि जे लोकक अधिकारक लेल लड़बाक बदला हम मात्र अपन राजनीतिक एजेण्डाक लेल लड़ि रहल छी जे दिल्लीक लोककेँ बुनियादी सेवा देबाक हमर क्षमताकेँ गम्भीर रूपसँ कमजोर कऽ देलक अछि। आब ई स्पष्ट भऽ गेल अछि जे जँ दिल्ली सरकार केन्द्रसँ लड़ैत रहत तँ दिल्लीक विकासमे वास्तविक प्रगति नहि भऽ सकैत अछि।”

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *