दिल्ली भाजपा नेता आ दू बेरक विधायक अनिल झा रविदिन आम आदमी पार्टीमे शामिल भऽ गेलाह। ओ रविदिन दुपहरमे आम आदमी पार्टी (आप)क राष्ट्रीय संयोजक अरविन्द केजरीवालक उपस्थितिमे शामिल भेलाह।
आम आदमी पार्टीमे शामिल भेलाक बाद अनिल झा कहलनि जे हम भाग्यशाली छी जे लोकतंत्रक प्रहरी अरविन्द केजरीवालसँ प्रभावित भऽ हम आम आदमी पार्टीमे शामिल भऽ रहल छी। झा कहलनि जे ओ ३२ साल धरि दोसर पार्टीमे छलाह मुदा आइ ओ केजरीवालसँ प्रभावित भऽ हुनकर संग अयलहुँ अछि। ओ कहलनि जे अरविन्द केजरीवाल दिल्लीक कॉलोनीमे सड़क, सीवर, पानिक पाइपलाइन, मोहल्ला क्लीनिक, स्वास्थ्य शिक्षा सन सुविधा प्रदान कयलनि अछि।
झा कहलनि जे अरविन्द केजरीवाल दिल्लीक भीतर पूर्वांचलक जनता, पिछड़ा वर्ग आ दलितक लेल सामाजिक न्यायक ताना-बाना बुनलनि। ओ कहलनि जे अरविन्द केजरीवाल पूर्वांचलक लोकक लेल बहुत काज कयने छथि।
ओतहि अरविन्द केजरीवाल कहलनि जे जँ दिल्लीक पूर्वांचलक नेताक बात करब तऽ ओहिमे सबसँ पैघ नेता अनिल झा छथि। केजरीवाल कहलनि, “जखन उत्तर प्रदेश आ बिहारमे हमर भाय-बहिनकेँ नीक शिक्षा आ रोजगार नहि भेटैत अछि तखन ओ दिल्ली दिसि रुख करैत छथि।”
ओ कहलनि जे पूर्वांचल समाजक अधिकांश लोक कच्चा बस्तीमे रहैत छथि। कांग्रेस आ भाजपा दुनू पूर्वांचल समाजक लोकक संग राजनीति करबाक अतिरिक्त कोनो काज नहि कयलक। कच्चा कालोनीमे सीवरक व्यवस्था नहि छल। पीबाक पानि नहि छल। कोनो स्वास्थ्य सुविधा नहि छल। घुटना धरि पानि जमा भए जाइत छल। हम अईठाम बढ़लहुं। सड़क बनौलहुं, सीवर बिछौलहुं, पानि निकाललहुं, स्ट्रीट लाइट, मोहल्ला क्लीनिक देलहुं, नीक स्कूल बनौलहुं।
केजरीवाल कहलनि, “हम एहेन १६५० सँ बेसी कच्चा कॉलोनीमे पानिक व्यवस्था कयने छी। केजरीवालक कहब छनि जे एहि कच्चा कॉलोनीमे पहिने कीचड़ आ गन्दगीक कारण लोकक संबंध नहि भऽ पाबैत छल।
ओ कहलनि जे हम दिल्लीमे पूर्वांचल समाजक लोककेँ सम्मानक जीवन देने छी। केजरीवाल कहलनि जे हमरा खुशी अछि जे आइ ओही समाजक एकटा पैघ नेता हमर पार्टीमे शामिल भेल अछि।
केजरीवाल कहलनि जे पछिला विधानसभा चुनावसँ ठीक पहिने केन्द्रीय मंत्री हरदीप पुरी आ भाजपा नेता दिल्लीमे कच्चा कॉलोनी पंजीकृत करबाक वचन देने छलाह। मुदा पंजीकरण एखन धरि नहि भेल अछि, ओ सभ मात्र धोखा देलनि अछि।