अपराध

मुजफ्फरपुरमे धरायल ४२ करोड़क कोकीन, अंतरराष्ट्रीय कनेक्शन

मुजफ्फरपुर
*

मुजफ्फरपुर जिलामे मादक पदार्थ कोकीनक एकटा पैघ खेप जब्त कयल गेल अछि। डीआरआई एतय एकटा व्यक्तिसँ ४२ करोड़ टाकाक कोकीन जब्त कयलक अछि। आरोपी बैगमे नुका कऽ कोकीन लऽ जा रहल छल।

मादक पदार्थ कोकीनक पहुँच आब मात्र दिल्ली, मुम्बई वा गुजरात धरि सीमित नहि अछि। कोकीन आब मिथिला क्षेत्रीय बिहार पहुँचि गेल अछि। राजस्व खुफिया निदेशालय (डीआरआई) बिहारक मुजफ्फरपुर जिलामे एकटा व्यक्तिसँ ४२ करोड़ टाकाक कोकीन जब्त कयलक अछि। अधिकारी सभ बृहस्पतिकेँ एहि बारेमे जानकारी देलनि। डीआरआई मुजफ्फरपुर इकाई द्वारा बृहस्पतिकेँ जारी बयानमे कहल गेल जे डीआरआई केर अधिकारी १३ नवंबरकेँ मुजफ्फरपुर जिलामे एकटा भारतीय नागरिकक कब्जासँ ४.२ किलो कोकीन जब्त कयलक।

अंतर्राष्ट्रीय बाजारमे कोकीनक कीमत ४२ करोड़ रुपया अछि। एकटा भारतीय नागरिक थाईलैंडसँ भारत मादक पदार्थक तस्करीमे शामिल पाओल गेल अछि।

डीआरआई अपन बयानमे कहलक जे जखनि अधिकारी द्वारा पकड़ल गेल व्यक्ति द्वारा लऽ जा रहल ट्रॉली बैगक जाँच कयल गेल, तखन बैगक ऊपरी आ निचला भागमे एकटा उज्जर पाउडर पदार्थ नुकायल भेटल। जखन डीआरआईक अधिकारी लोकनि एकर जाँच कयलनि तऽ पता चलल जे बैगमे कोकीन लऽ जा रहल छल। आगू जाँचमे पता चलल जे ई खेप नई दिल्लीमे किछु अज्ञात व्यक्तिकेँ पहुँचयबाक छल। अधिकारी एखनि धरि गिरफ्तार आरोपीक नाम जारी नहिं कयने छथि। मुदा, हुनका आशंका अछि जे आरोपी मादक पदार्थक तस्करीमे शामिल एकटा अन्तर्राष्ट्रीय सिंडिकेटक हिस्सा अछि।

एहिसँ पहिने महाराष्ट्रक नवी मुम्बईमे पुलिस १.०२ करोड़ टाकाक कोकीन जब्त कयने छल। एहि मामिलामे एकटा अफ्रीकी नागरिककेँ गिरफ्तार कएल गेल अछि। गुप्त सूचनाक आधार पर नवी मुम्बई पुलिसक मानव तस्करी रोधी प्रकोष्ठक एकटा टीम सोमदिन उल्वे क्षेत्रक एकटा हाउसिंग सोसाइटीक एकटा फ्लैटपर छापा मारलक। एकटा अधिकारी कहलनि जे पश्चिम अफ्रीकाक गिनीक एकटा ३५ वर्षीय व्यक्तिकेँ ४१२ ग्राम कोकीन लऽ जयबाक आरोपमे गिरफ्तार कयल गेल छल।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *