प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी बुधदिन दरभंगा एम्स केर आधारशिला रखलनि। दोसर दिसि राजद नेता तेजस्वी यादव कहलनि जे दरभंगा एम्स पहिने बनि गेल रहैत, केंद्र सरकारक कारण देरी भेल।
राजद नेता तेजस्वी यादव बुध दिन मुजफ्फरपुर रवाना होबएसँ पहिने कहलनि जे हम दरभंगाक शोभनमे जमीन लऽ गेल छलहुँ। ई लोकसभ एकरा डीएमसीएच परिसरमे बनबय चाहैत छलाह। हम चाहैत छलहुं जे एम्स डीएमसीएचमे नहि बल्कि बाहर बनय जाहिसँ शहरक विकास भऽ सकय। डीएमसीएच एकटा धरोहर रहल अछि, राज्य सरकार स्वयं एकर विस्तारक लेल काज कऽ रहल अछि। डीएमसीएच सेहो बनत आ एम्स बनत, जतेक देरी भेल, ओ केन्द्र सरकारक कारण भेल।
ओ कहलनि जे सभ काज तऽ हमरासभक कयल अछि। इ लोक सभ मना कए रहल छल। हम एकरा लेल केंद्र सरकारकेँ चिट्ठी लिखने छलहुँ। सब किछु ऑन रिकॉर्ड अछि जे ककरा बदौलत की भऽ रहल अछि।
एहिसँ पहिने नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव एक्स पर लिखलनि जे विकास काजमे भाजपाक सोच सीमित आ छोट अछि। हुनकर सीमित सोचमे राजनीतिक अतिरिक्त आन केकरो लेल कोनो स्थान नहि अछि। स्वास्थ्य सन गंभीर विषय पर भाजपासँ दूरदर्शिताक अपेक्षा करब व्यर्थ अछि। दरभंगा एम्स लेल डीएमसीएच परिसर पर भाजपा जाहि तरहें अडिग छल, ओहिसँ पता चलैत अछि जे हुनका सभक मनमे राजनीतिक अतिरिक्त किछु नहि छल। बिहारक उप मुख्यमंत्री सह स्वास्थ्य मंत्रीक कार्यकालमे दरभंगा एम्स के लेल हम जे स्थलक सुझाव देने छलहुं ओ स्वचालित रूपसँ भविष्यक लेल विस्तार, उन्नयन, सुव्यवस्थित आ रोजगार सृजनक कतेको संभावनाकेँ मार्ग खोलैत अछि।
ओ आगू लिखलनि, “अफसोसक संग संतुष्टि अछि जे छह सालक बाद केन्द्र-राज्यमे डबल इंजन सरकार रहलाक बादो प्रधानमंत्री ओही स्थल पर निर्माणक आधारशिला रखताह। एहि बातक संतोष सेहो अछि जे १७ मासमे चारि-पाँच सालसँ अटकल विवाद आ मुद्दाकेँ हम सुलझा लेलहुँ आ एकटा नव स्थलक सुझाव देलहुँ। आब चारि-पांच साल बाद बिहारक लोकक इलाजक सुविधा भेटय लागत। डबल इंजन सरकारकेँ कोनो परियोजना पूरा करबामे एक दशक लगैत अछि।