विश्व प्रसिद्ध हरिहर क्षेत्र सोनपुर मेला काल्हि १३ नवम्बरसँ १४ दिसम्बर धरि होयत। मेलाक उद्घाटन उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी आ विजय कुमार सिन्हा संयुक्त रूपसँ करताह। उद्घाटनक क्रममे राज्यक तीनटा मंत्री, जिलाक प्रभारी मंत्री, दूटा सांसद, सभ विधायक, विधान पार्षद आ अन्य जनप्रतिनिधि विशेष अतिथिक रूपमे उपस्थित रहताह। मेलाक उद्घाटन समारोहमे बॉलीवुडक गायकसभक टीम प्रस्तुति देत।
जिलाधिकारी अमन समीर कहलनि जे सोनपुर मेला भव्य बनेबाक लेल पर्यटन विभाग द्वारा कतेको तैयारी कयल गेल अछि। एहि बेर सबसँ महत्वपूर्ण बात ई अछि जे पर्यटन विभाग एकटा सांस्कृतिक पंडाल आ कला एवं शिल्प गामक निर्माण कयलक अछि। बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम सेहो पर्यटन गाममे अत्याधुनिक सुविधासँ सुसज्जित स्विस कॉटेजक निर्माण कयलक अछि। पटनासँ सोनपुर धरि विशेष टूर पैकेज सेहो उपलब्ध कराओल गेल अछि। एकर सङ्गहि मेला क्षेत्रमे एकटा सांस्कृतिक पंडाल बनाओल गेल अछि, जतय सम्पूर्ण मेला अवधिमे सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत कयल जायत।
मेला क्षेत्रक सांस्कृतिक पंडालमे एकटा अस्थायी पर्यटन सूचना केन्द्र सेहो स्थापित कयल गेल अछि, जतय पर्यटक मार्गदर्शक सेहो नियुक्त कयल गेल अछि, जे पर्यटकसभकेँ मेला क्षेत्रक जानकारी देत। जिला प्रशासन अपन स्तर पर सुरक्षा आ अन्य कार्यक्रमक पूरा व्यवस्था कयलक अछि। पर्यटन विभागक सचिव लोकेश कुमार सिंह लगातार तैयारीक निगरानी कऽ रहल छथि।
मेलाक उद्घाटन सम्राट चौधरी आ बिहारक उपमुख्यमंत्री विजय कुमार सिन्हा करताह। विशिष्ट अतिथिक रूपमे डॉ. दिलीप कुमार जायसवाल (मंत्री, राजस्व आ भूमि सुधार विभाग), नीतीश मिश्रा (उद्योग-पर्यटन विभाग), सुमित कुमार सिंह (विज्ञान प्रावैधिकी तकनीकी शिक्षा विभाग मंत्री, सह-प्रभारी मंत्री सारण), राजीव प्रताप रूडी (सांसद, सारण संसदीय क्षेत्र), जनार्दन सिंह सिग्रीवाल (सांसद महाराजगंज संसदीय क्षेत्र), विधायक डॉ. रामानुज प्रसाद, श्रीकांत यादव, सत्येन्द्र यादव, जनक सिंह, पूर्व मंत्री जितेन्द्र कुमार राय, केदार नाथ सिंह, डॉ. सीएन गुप्ता, पूर्व मंत्री सुरेन्द्र राम, कृष्ण कुमार सिंह उर्फ मंटू, छोटेलाल राय, एमएलसी डॉ. वीरेन्द्र नारायण यादव, एमएलसी ई. सच्चिदानंद राय, एमएलसी आफाक अहमद उपस्थित रहताह।