बाजार-व्यापार

जीतन राम माँझी दिल्ली हाटमे कयलनि खादी प्रदर्शनीक उद्घाटन, वोकल फॉर लोकलकेँ बढ़ावा

नई दिल्ली
*

केंद्रीय सूक्ष्म, लघु आ मध्यम उद्यम मंत्री (एमएसएमई) जीतन राम मांझी शुक्रदिन आईएनए दिल्ली हाटमे विशेष खादी प्रदर्शनीक उद्घाटन कयलनि। ई प्रदर्शनी देश भरिमे चलि रहल ‘खादी महोत्सव’क हिस्सा अछि, जकर उद्देश्य प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक ‘वोकल फॉर लोकल’ आ ‘आत्मनिर्भर इंडिया’ दृष्टिकोणकेँ बढ़ावा देनाइ अछि। ई ३१ अक्टूबर धरि चलत, जाहिमे पूरा भारतसँ खादी आ ग्रामोद्योग उत्पादक विस्तृत श्रृंखला प्रदर्शित कयल जा रहल अछि। एहि अवसर पर खादी आ ग्रामोद्योग आयोग (केवीआईसी) केर अध्यक्ष मनोज कुमार सेहो उपस्थित छलाह।

उद्घाटन कार्यक्रममे अपन संबोधनक क्रममे माँझी सभ नागरिकसँ बेसी खादी आ स्थानीय उत्पाद किनबाक आग्रह कयलनि। ओ विशेष रूपसँ दिल्लीक लोकसभसँ अपील कयलनि जे ओ एहि प्रदर्शनीमे आबि पावनि-तिहारक खरीदारी करथि आ खादी उत्पाद कीनि ग्रामीण कारीगर आ शिल्पीसभकेँ आर्थिक रूपसँ सशक्त बनाबथि। ओ कहलनि जे एहि प्रदर्शनीक मुख्य उद्देश्य पारम्परिक कारीगरक आर्थिक स्थितिकेँ सुदृढ़ करबाक सङ्ग-सङ्ग देशक समृद्ध सांस्कृतिक धरोहरकेँ संरक्षित करब अछि।

प्रदर्शनीमे १५७ टा स्टाल अछि, जाहिमे ५५ खादी संस्थान आ १०२ ग्राम उद्योग इकाइ शामिल अछि। ई संस्थान दिल्ली, राजस्थान, बिहार, तमिलनाडु, महाराष्ट्र, गुजरात, ओडिशा, मध्य प्रदेश, बंगाल, हरियाणा आ जम्मू सहित विभिन्न राज्यक प्रतिनिधित्व करैत अछि। एतय साड़ी, तैयार वस्त्र, हस्तशिल्प, जड़ी-बूटी आ आयुर्वेदिक उत्पाद, चमड़ाक सामान, हाथसँ बनल कागज, अचार, मसाला, मधु आ अन्य उत्पाद उपलब्ध अछि।

एहि अवसर पर केवीआईसीक अध्यक्ष मनोज कुमार खादी आ ग्रामोद्योग क्षेत्रक बढ़ैत सफलता पर प्रकाश देलनि। ओ जनओलनि जे पछिला वित्तीय वर्षमे एहि क्षेत्रक कारोबार १.५५ लाख करोड़ टाकाक छल, जाहिसँ देश भरिक खादी कारीगरसभकेँ बहुत लाभ भेल। ओ हालेमे चरखि चलबयवला कतिना आ करघा बुनकरक मजदूरीमे वृद्धिक सेहो उल्लेख कयलनि, जे ग्रामीण कारीगरसभक आजीविकामे सुधारक दिशामे एकटा पैघ डेग अछि। ओ ‘मन की बात’ कार्यक्रममे ‘मेड इन इंडिया’ उत्पाद किनबाक प्रधानमंत्री मोदीक अपीलक सेहो उल्लेख कयलनि, जकर बाद दिल्लीवासी गाँधी जयन्ती पर खादी ग्रामोद्योग भवनसँ २ करोड़ १ लाख ३७ हजार टाकाक खादी कीनि एकटा नव कीर्तिमान बनौलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *