चुनाव

झारखंडमे एनडीएमे सीट बंटवारा पर बनल सहमति, जानू समीकरण

रांची
*

झारखण्डमे विधानसभा चुनावक लेल राजगक घटक दलक बीच सीटक बँटवारा कयल गेल अछि। भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) राज्यमे ६८ सीटपर चुनाव लड़त। आजसू पार्टी (ऑल झारखंड स्टूडेंट यूनियन) १०, नीतीश कुमारक जनता दल यूनाइटेड (जेडीयू) दूटा आ लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) एकटा सीट पर चुनाव लड़त।
शुक्रदिन रांचीक हरमू स्थित झारखंड भाजपा राज्य कार्यालयमे आयोजित एकटा संयुक्त संवाददाता सम्मेलनमे भाजपा आ आजसू नेता सीट बंटवाराक घोषणा कयलनि।

समझौताक अनुसार आजसू पार्टीकेँ सिल्ली, रामगढ़, गोमिया, ईचागढ़, मांडू, जुलसलाई, डुमरी, पाकुड़, लोहरदगा आ मनोहरपुर सीट देल गेल अछि। जनता दल (यूनाइटेड) केँ जमशेदपुर पश्चिम आ तमाड़ विधानसभा सीट भेटल अछि, जखनि कि लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) केँ चतरा सदर विधानसभा सीट देल गेल अछि।

असमक मुख्यमंत्री आ भाजपा झारखण्ड चुनाव सह-प्रभारी हिमंत बिस्वा सरमा एकटा संवाददाता सम्मेलनमे कहलनि जे सभ दलक सङ्ग बातचीतक बाद सीट बंटवाराक घोषणा कयल गेल अछि। यद्यपि, आपसी सहमतिसँ एक वा दूटा सीटमे बदलावक संभावना अछि। ओ कहलनि जे एनडीए पूरा ताकतक संग चुनाव मैदानमे उतरत। हमरा विश्वास अछि जे हम राज्यमे बहुमतक सरकार बनायब।

भाजपा प्रदेश अध्यक्ष बाबूलाल मरांडी कहलनि जे राज्यक जनता वर्तमान हेमंत सोरेन सरकारसँ तंग आबि गेल अछि। ओ राज्यक युवा, महिला आ पिछड़ा वर्गसँ कयल गेल एकटा वादा पूरा नहि कयलनि। सीएम सोरेन कहने छलाह जे जँ ओ राज्यक पाँच लाख युवाकेँ सरकारी नौकरी नहि दऽ सकैत छथि तँ ओ राजनीतिसँ संन्यास लऽ लेताह। एकर बादो ओ युवा आ राज्यक जनतासँ वोट कोना मांगताह।

पत्रकार सम्मेलनमे केन्द्रीय मंत्री शिवराज सिंह चौहान, आजसू पार्टीक अध्यक्ष सुदेश महतो आ चन्द्रप्रकाश चौधरी सेहो उपस्थित छलाह।
एहि अवसर पर आजसू प्रमुख सुदेश महतो कहलनि जे ओ झारखण्डक वर्तमान स्थितिक विषयमे जनताकेँ सचेत करबाक काज करताह। ई चुनाव पीएम मोदीक मार्गदर्शनमे लड़ल जायत। ओ विश्वास जतौलनि जे राज्यमे एनडीए सरकारक गठन होयत।

८१ सदस्यीय झारखंड विधानसभाक लेल दू चरणमे मतदान होयत। पहिल चरणमे १३ नवम्बरकेँ ४३ सीट आ दोसर चरणमे २० नवम्बरकेँ ३८ सीट पर वोटिंग होयत। जखनि कि चुनावक परिणाम २३ नवम्बरकेँ घोषित कयल जायत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *