राजनीति

नायब सिंह सैनी लेलनि हरियाणाक मुख्यमंत्री पदक शपथ

नई दिल्ली
*

भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) हरियाणामे लगातार तेसर बेर सरकार बनौलक अछि। नायब सिंह सैनी बृहस्पतिकेँ दोसर बेर हरियाणाक मुख्यमंत्रीक रूपमे शपथ लेलनि। राज्यपाल बंडारू दत्तात्रेय पद आ गोपनीयताक शपथ दियौलनि।
ओ कुरुक्षेत्रक लाडवा सीटसँ कांग्रेसक मेवा सिंहकेँ पराजित कऽ चुनाव जीतलनि। नायब सिंह सैनी केर अलावा अनिल विज मंत्री पदक शपथ लेलनि। अनिल विज अम्बाला कैंटसँ विधायक छथि।

भाजपा विधायक कृष्ण लाल पंवार, राव नरबीर सिंह, महिपाल ढांडा आ विपुल गोयल सेहो मंत्री पदक शपथ लेलनि।

सोनीपत सीटक गोहाना सीटसँ विधायक अरविन्द कुमार शर्माकेँ सेहो नायब सिंह सैनी मंत्रिमंडलमे स्थान देल गेल अछि। भाजपा विधायक श्याम सिंह राणा, रणबीर गंगवा, कृष्ण कुमार बेदी, श्रुति चौधरी आ आरती सिंह राव सेहो मंत्री पदक शपथ लेलनि।

शपथ लेबासँ पहिने नायब सिंह सैनी पंचकुलाक माता मनसा देवी मन्दिर जा कऽ प्रार्थना कयलनि आ मायक आशीर्वाद लेलनि। ओ एक्स पर लिखलनि, “आइ शपथ ग्रहण समारोहसँ पहिने हम पंचकुलाक माता मनसा देवी मन्दिर गेलहुँ आ पूजा-अर्चना कयलहुँ आ अपन मायक आशीर्वाद लेलहुँ आ राज्यक अपन परिवारक सभ सदस्यक सुखक लेल प्रार्थना कयलहुँ। मायक आशीर्वाद हमरा सेवा आ समर्पणक मार्ग पर आगू बढ़बाक प्रेरणा दैत अछि।”

समारोहमे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी, केंद्रीय गृह मंत्री अमित शाह, रक्षा मंत्री राजनाथ सिंह, उत्तर प्रदेशक मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ, असमक मुख्यमंत्री हिमंत बिस्वा सरमा, गुजरातक मुख्यमंत्री भूपेन्द्र पटेल आ अन्य मुख्यमंत्री एवं राजग केर अन्य नेता उपस्थित छलाह।

हरियाणामे ५ अक्टूबरकेँ एकहि चरणमे भेल विधानसभा चुनावमे भाजपा ९० सदस्यीय विधानसभामे ४८ सीट जितलक, जखन कि कांग्रेस ३७ सीट जितलक।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *