धर्म-संस्कृति

सीएम योगी महाकुंभ-२०२५ केर ‘लोगो’क कयलनि अनावरण, वेबसाइट आ ऐप सेहो लाॅन्च

प्रयागराज
*

उत्तर प्रदेशक मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ रविदिन महाकुंभ-२०२५क ‘लोगो’क अनावरण कयलनि। एकर संगहि ओ महाकुंभ-२०२५ केर वेबसाइट आ मोबाइल ऐप सेहो शुरू कयलनि।

एहि बेर सेहो महाकुंभ-२०२५क लोगोमे किछु खास अछि, लोगोमे एकटा कलश अछि जाहि पर ‘ॐ’ लिखल अछि आ पाछू संगमक दृश्य अछि। एकर अतिरिक्त, लोगोमे नगर कोतवाल हनुमानजी आ एकटा मन्दिरक चित्र अछि। सीएम योगी उपमुख्यमंत्री केशव प्रसाद मौर्य आ जल शक्ति मंत्री स्वतंत्र देव सिंहक उपस्थितिमे लोगोक अनावरण कयलनि।

लोगोक अनावरण, वेबसाइट आ एपक लोकार्पण कयलाक बाद मुख्यमंत्री योगी अधिकारी आ जनप्रतिनिधिक सोझाँ बैसार कऽ महाकुंभ-२०२५क तैयारीक समीक्षा कयलनि। लगभग एक घंटा धरि ओ विभिन्न काजक निरीक्षण कयलनि, घाटक स्थिति आ कुम्भक लेल चलि रहल निर्माण कार्य देखलनि।

महाकुंभ-२०२५ केँ दिव्य, भव्य आ नव तरीकासँ आयोजित करबाक कार्यभार स्वयं सीएम योगी सम्हारने छथि।

महाकुंभ-२०२५क वेबसाइट श्रद्धालु आ पर्यटकक लेल हवाइ, रेल आ सड़क मार्गसँ महाकुम्भ पहुँचबाक लेल मार्गदर्शकक रूपमे काज करत। एकर माध्यमसँ प्रयागराजमे आवास, स्थानीय परिवहन, पार्किंग, घाट तक पहुँचबाक दिशा आदि केर जानकारी भेटत। एकर अतिरिक्त मेला क्षेत्रमे धार्मिक गतिविधिमे भागीदारीक संबंधमे जानकारी सेहो उपलब्ध होएत।

एहिमे महाकुंभ-२०२५ मे भाग लेनिहार तीर्थयात्रीसभकेँ स्मारिका आ धार्मिक सामग्री उपलब्ध करयबाक सुविधा, आपातकालीन स्थितिक लेल एसओएस सुविधा, घाट पर तीर्थयात्रीसभक सुविधापूर्वक पहुँचय लेल गूगल नेविगेशन, आवास आ अन्य महत्वपूर्ण स्थान, भक्तसभकेँ महत्वपूर्ण स्वास्थ्य आ सुरक्षा सतर्कताक विषयमे जानकारीक उपलब्धता, मेलाक सभ कार्यक्रमक समय सारिणी आ अन्य महत्वपूर्ण गतिविधिक सुविधा सेहो होयत।

कुम्भकेँ बेसी अलौकिक बनयबाक लेल विभिन्न प्रकारक बत्ती लगाओल जा रहल अछि, जे भक्त आ पर्यटकक स्वागत करैत देखल जायत। शहरकेँ आन जिलासँ जोड़य बला आ शहरी क्षेत्रमे संगम दिसि जायवला प्रत्येक मार्ग पर थीमेटिक लाइट लगाओल जायत, जाहिसँ कलश, शंख, धनुष आ तीर, डमरू आ त्रिशूलक आकारमे कुम्भक भव्यता आओर बढ़त। २०२५क महाकुम्भसँ पहिने सेहो प्रयागराजकेँ आओर निखारबाक प्रयास कयल जा रहल अछि। महाकुम्भसँ पहिने एयरपोर्ट रोडकेँ शहरक सबसँ आकर्षक आ चयनित सड़कक रूपमे विकसित कयल जायत।

महाकुम्भ मेला जनवरी २०२५ सँ प्रयागराजमे आयोजित होयबाक अछि। उत्तर प्रदेश सरकार पैघ स्तर पर तैयारी कऽ रहल अछि किएक तँ १२ सालक अन्तरालक बाद महाकुम्भक आयोजन कयल जा रहल अछि। ई मेला दुनियाक सबसँ पैघ, पवित्र, धार्मिक आ सांस्कृतिक मेला अछि, जे ४५ दिन धरि चलैत अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *