सुपौल जिलाक किशनपुर थाना क्षेत्रक पीरगंज ठाडी धत्ता लग शुक्रदिन भोरे लोकसभकेँ लऽ जा रहल एकटा नाव कोसी नदीमे डूबि गेल। प्राप्त जानकारीक अनुसार नावमे क्षमतासँ बेसी लोक छल। सूचना पर आपदा मित्रक टीम घटनास्थल पर पहुँचि बचाव अभियान शुरू कयलक। मुदा सभ लोककेँ समय पर बचा लेल गेल।
दुर्घटनाग्रस्त नावक खोज जारी छल। कहल जा रहल अछि जे ई दुर्घटना ओहि छोट नाव (डेंगी) सs भेल जाहि पर लगभग २० गोटे यात्रा कऽ नदी पार कऽ रहल छलाह। एम्हर नाव बेकाबू भs पलटि गेल। प्राप्त जानकारीक अनुसार किशनपुर थाना क्षेत्रमे बाढ़िक कारण पीरगंजसँ दुबियाही जायवला सड़क लगभग २० फीटक दूरी पर टूटि गेल अछि। एहिठामक लोकक लेल आवागमन एकटा समस्या बनल अछि। सड़क कटलाक कारण एहिठामक लोक नावक सहायतासँ आवागमन कऽ रहल छल। शुक्रदिन कोसीमे पानिक तेज बहावक कारण नाव पलटि गेल। मुदा राहतक बात ई छल जे सभ लोककेँ सुरक्षित बाहर निकालल गेल। आपदा मित्र मोहम्मद समीउल्लाह कहलनि जे कोसीमे क्षमतासँ बेसी लोक नाव पर यात्रा कऽ रहल छलाह। तेज धारक कारण नाव पलटि गेल । एहि दौरान आपदा मित्रक टीम सुजानपुर स्थित बाढ़ि राहत शिविर जा रहल छल। तुरंत सहयोगी आपदा मित्र मोहम्मद आदम आ स्थानीय लोकक मदतिसँ बचाव शुरू कयल गेल।
एहि घटनाक सूचना किशनपुर क्षेत्रीय अधिकारी आ बीडीओकेँ देल गेल। प्रशिक्षु डीएसपी किशनपुर थाना प्रभारी नीतू सिंह कहलनि जे डेंगी नाव पर क्षमतासँ बेसी लोक छल। सभ लोक सुरक्षित बाहर निकलि गेल अछि।