शिक्षा

विश्वविद्यालय रैंकिंग एन.आई.आर.एफ.मे बिहारक कतेको विश्वविद्यालय सम्मिलित

नई दिल्ली
*

विश्वविद्यालय रैंकिंग एनआईआरएफ कतेको श्रेणीक अन्तर्गत शैक्षणिक संस्थानक मूल्यांकन करैत अछि। बिहारक कतेको विश्वविद्यालयक नाम एहि बेर एनआईआरएफ २०२४क सूचीमे शामिल अछि।

केन्द्रीय शिक्षा मंत्री धर्मेन्द्र प्रधान सोमदिन शिक्षा मंत्रालयक राष्ट्रीय संस्थागत रैंकिंग फ्रेमवर्क (एनआईआरएफ) २०२४क घोषणा कयलनि। समग्र विश्वविद्यालय रैंकिंग श्रेणीमे बिहारक पटना आईआईटीकेँ शीर्ष १०० मे स्थान भेटल अछि। एकर अतिरिक्त डॉ. राजेन्द्र प्रसाद केन्द्रीय कृषि विश्वविद्यालय, समस्तीपुरकेँ विश्वविद्यालय रैंकिंग श्रेणीमे शीर्ष २०० मे स्थान भेटल अछि। संगहि पटना विश्वविद्यालयकेँ राज्य लोक विश्वविद्यालय श्रेणीमे शीर्ष १०० मे स्थान भेटल अछि।

समग्र विश्वविद्यालय रैंकिंग श्रेणीमे पटना आईआईटीक अतिरिक्त पटना एम्स शीर्ष १०० मे स्थान प्राप्त कयलक अछि। संगहि एनआईटी पटनाकेँ शीर्ष १५० मे स्थान भेटल अछि।

अभियांत्रिकी अर्थात इंजीनियरिंग श्रेणीमे राज्यमे १०१ सँ ३०० केर बीच एकटा संस्थान नहिं अछि। देश भरिक १,४६३ अभियांत्रिकी महाविद्यालयमेसँ मात्र १२टा राज्यमे अछि। प्रबंधन श्रेणीमे आईआईएम बोधगया ३३म स्थान प्राप्त कयलक अछि। अमेटी विश्वविद्यालय आ चन्द्रगुप्त इंस्टीट्यूट ऑफ मैनेजमेंट, पटना १०१ सँ १५० मे शामिल अछि।

एन.आई.आर.एफ. कतेको श्रेणीक अन्तर्गत संस्थानक मूल्यांकन करैत अछि, जाहिमे व्यवस्था, अनुसंधान, छात्रसभक नियुक्तिमे प्रदर्शन आ स्नातकक बाद उच्च शिक्षा अध्ययनक लेल छात्रसभक चयन सम्मिलित अछि। एन.आई.आर.एफ. रैंकिंगमे उच्च शिक्षा संस्थान (एचईआई)क भागीदारी २०१६ मे ३,५६५ सँ बढ़ि कऽ २०२४ मे १०,८४५ भऽ गेल अछि, जाहिमे श्रेणी आ विषय क्षेत्रक संख्या २०१६ मे चारिसँ बढ़ि कऽ २०२४ मे सोलह भऽ गेल अछि।

चिकित्सा श्रेणीमे १८२ संस्थान भाग लेलक। प्रबंधन श्रेणीमे ८७६ संस्थानकेँ सम्मिलित कयल गेल छल, जाहिमे राज्यक १२टा संस्थान सम्मिलित छल। फार्मेसी श्रेणीमे रैंकिंगक लेल ४६७ संस्थान भाग लेलक, जाहिमे बिहारक चारिटा संस्थान शामिल छल। ओतहि देशभरिक १४६३ इंजीनियरिंग कॉलेज सम्मलित भेल, जाहिमे राज्यक मात्र १२ अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *