आठम् “धीरज प्रतिभा सम्मान समारोह” डाॅ. काशीनाथ घाणेकर नाट्यगृह, ठाणेमे सोल्लासपूर्वक सम्पन्न भेल। समारोहमे उपस्थित दैनिक मैथिली अखबार मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश केर संपादक अजयनाथ झा शास्त्रीक संग वार्ताक क्रममे मैथिल समन्वय समितिक नवनियुक्त अध्यक्ष राजकुमार झा कहलनि जे – समिति द्वारा आयोजित आठम धीरज प्रतिभा सम्मान समारोह अविस्मरणीय, अकल्पनीय, अद्भुत, आकर्षक तथा आह्लाद-रोमांचसँ परिपूर्ण छल। समितिक संरक्षक डाॅ. संदीप झाक संरक्षकत्वमे पदाधिकारी एवम् सदस्यगण समारोहकें पूर्ण समर्पण तथा विलक्षणताक संग मैथिल समाजक मेधावी छात्र/छात्राकेँ सम्मान-पत्र, मोमेंटो तथा सम्मान-निधि द्वारा सम्मानित करब स्तुत्य आ वंदनीय अछि। समितिक परम्परागत लाल परिधानमे सुसज्जित पदाधिकारीगण सभागारकेँ मनभावक बना देलनि। कार्यक्रमक शुभारंभ गोसाउनिक गीत तथा दीप प्रज्वलनक संग भेल। लगभग ३५० छात्र/छात्राके सम्मानित कयल गेल। समारोहक मुख्य अतिथि मिथिलाक लोकप्रिय विकास पुत्र राज्यसभा सांसद संजय कुमार झा छलाह।
डाॅ. काशीनाथ घाणेकर नाट्यगृहक आंतरिक भंगिमा मिथिलामय बनल छल। सम्पूर्ण सभागारमे अद्भुत आनंदक वातावरण व्याप्त छल।अनुशासित दर्शकवृन्द सम्मान-समारोहक प्रत्यक्षदर्शी बनैत, समारोहक आनंदमे प्रत्यक्ष भूमिकाक शालीनतापूर्वक निर्वहन कयलनि। अनजानवश कदाचित कोनो प्रकारक त्रुटियो आयोजक द्वारा भेल हेतैक जे कि स्वाभाविको बुझल जेबाक चाही, ताहि लेल सभागारमे उपस्थित सम्मानित समाज ध्यान नहिं दैत समितिकें प्रोत्साहित कयलनि।
दू-दू मिथिलाक सपूतक उपस्थिति, आयोजनक सफलतामे चारि चान्दक भूमिकाक निर्वहन कयलक। मैथिल समन्वय समितिक संरक्षक एवम् संदीप विश्वविद्यालयक चेयरमैन डाॅ. संदीप झा, जिनक शिक्षाक क्षेत्र तथा सामाजिक स्तर पर कयल जा रहल योगदानक यशोलतिका केवल मिथिलामे नहिं बल्कि भारतवर्षमे परचम फहड़ा रहल अछि, हिनक स्नेहयुक्त स्निग्ध छायामे समिति, प्रमाणिकताक संग सामाजिक सेवाक पथ पर निरंतर अग्रसर बनल अछि। अपन मित्र दिवंगत धीरज जीकें श्रद्धांजलि अर्पित कयला उपरांत सभागारमे उपस्थित छात्र/छात्राकेँ संभावित लक्ष्य प्राप्त करबाक अनुपम संदेश दैत उत्साहित करैत भव्य भविष्यक शुभकामना देलनि। अनेकों ज्वलन्त विषयक चर्चा एवम् विन्दूवार ध्यानाकर्षण कराबैत मैथिल समाजक सामर्थ्यक बखान कयलनि। सांसद महोदयकें रेल समस्याक प्रति ध्यानाकर्षण कराबैत मुंबई प्रवासी मैथिल समाजक लेल अतिरिक्त दैनिक रेल परिचालन हेतु तीन-सूत्रीय ज्ञापन दैत कहलनि जे सांसद संजय झा कर्मठ, जुझारू तथा विकासपुरूष छथि। बिहारक जल-संसाधन मंत्री केर रूपमे बाढ़ि तथा रौदीक भीषण प्रकोपक स्थायी समाधानक लेल हिनका द्वारा कयल गेल कार्य कदमपि विस्मृत नहिं कयल जा सकैत अछि। निश्चित रूपसँ कहल जा सकैत अछि जे स्व० ललित नारायण मिश्रक बाद संजय झा मिथिलाक एकमात्र एहेन लोकप्रिय राजनेता छथि जिनक यशस्विताक सर्वत्र बखान भऽ रहल अछि। संरक्षक महोदयक संबोधन सुनि सभागारमे उपस्थित दर्शकवृन्द ठाढ़ भऽ करतल-ध्वनिसँ थोपड़ी बजाय, सांसद महोदयके स्वागत कयलनि।
उमड़ल भीड़क उमंग देखि सांसद महोदय अपन संबोधनमे सभक प्रति विनम्रतापूर्वक आभार व्यक्त कयलनि। सम्बोधनक क्रममे मिथिलाक ठेठ भाषाक प्रयोग करैत बजला जे हमरा तीन-चारि वर्ष पूर्व नोत पड़ि चुकल छल मुदा बिज्झो आजुक दिन कयल गेल। अहाँ सभक मध्य उपस्थित भऽ अभिभूत छी। मिथिलाक विकासक प्रति हम सजग आ सकांक्ष छी। समय आबि चुकल अछि जे मिथिलाक प्रत्येक गाम, मुहल्ला, शहरमे विकासक अजस्त्र धारा बहैत देखि सकैत छी। मिथिला हाटक निर्माण तथा व्यवस्थापनक सर्वत्र चर्चा भऽ रहल अछि। सिमरियामे गंगा घाटक भव्य निर्माण कराओल गेल। दरभंगा एयरपोर्ट परिचालन तथा व्यवस्थापन सेहो मिथिलाक उपलब्धिक जीवंत सबूत अछि। हमर प्रयास अछि दरभंगामे शीघ्र अन्य एयरलाइंसक सेवा उपलब्ध होय। दूर्गापूजाक उपरांत “दरभंगा-एम्स” केर निर्माणक निविदा जारी भऽ जायत। जहाँ धरि मुंबई प्रवासी मिथिलावासीक लेल अतिरिक्त दैनिक रेल परिचालनक प्रश्न छैक, आश्वासन दैत छी जे हम स्वयं रेलमंत्रीसँ भेंट कय समस्याक समाधानक पूर्ण प्रयास करब। हमरा विश्वास अछि जे शीघ्र मिथिलावासीकें शुभ समाचार भेटत।
समितिक अध्यक्ष कमल रामविनोद झा अपन सम्बोधनमे छात्र/छात्रा समेत सभागारमे उपस्थित दर्शकवृन्दकें अतिरिक्त समितिक पदाधिकारीक प्रति आभार व्यक्त कयलनि। मुख्य अतिथिक रूपमे उपस्थित सांसद महोदयक प्रति अपन स्नेहक सुमन सेहो समर्पित कयलनि। सांसद महोदयकें मिथिलाक आशाक एकमात्र किरण बतौलनि। रेल समस्याक समाधानक लेल व्यक्तिगत रूपें पहल करबाक आग्रह कयलनि।
मंचक भव्य संचालन धनंजय झा तथा पंकज झा द्वारा कयल गेल। सचिव ललित झा एवं कोषाध्यक्ष जय माधव झा समेत ललका परिधानमे समितिक समस्त पदाधिकारी ओ कार्यकर्ता लोकनिक अनुशासित प्रबंधन देखिते बनैत छल। छात्र/छात्राकें समाजक विशिष्ट महानुभाव तथा समितिक पेट्रोन सदस्य द्वारा विलक्षणतापूर्वक सम्मानित कयल गेल। समितिक पदाधिकारीगण समारोहक सफलतामे बहुमूल्य योगदान दैत पुन: प्रमाणित कयलनि जे समिति समाजक सहयोग पाबि सभ प्रकारक सामाजिक कार्य, सफलतापूर्वक करबाक जज्बा रखैत अछि। सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो दर्शकवृन्दकें मुग्ध करैत रहल। मिथिलाक भजन सम्राट अरविन्द कुमार सिंह तथा गायिका सुश्री वर्षा अपन साधल सुमधुर गायन द्वारा उपस्थित दर्शकवृन्दकें आह्लादित कयलनि। आठम् धीरज प्रतिभा सम्मान केर सफल आयोजनक गुंज बहुत धरि गुंजायमान होएत रहत। आबयवला समयमे समितिक अनेकों सामाजिक कार्ययोजनाक संग उपस्थित होयत रहत।