राजनीति

लालू-नीतीशक तीस सालक सरकारसँ मूक्तिक लेल बनि रहल ई नव दल : प्रशांत किशोर

पटना
*

प्रशांत किशोर बहुत दिनसँ बिहारक राजनीतिक प्रति बहुत सक्रिय छथि। ओतहि पार्टी बनयबासँ पहिने शुक्र दिन प्रशांत किशोर लालू यादव आ नीतीश कुमारक बारेमे बड़का बयान देलनि।

चुनाव रणनीतिकार प्रशांत किशोर आइ-काल्हि बिहारमे पार्टी बनेबाक लेल बहुत सक्रिय छथि। संस्थाक कार्यकर्ता सभक संग लगातार भेंट कय रहल छथि। ४ अगस्तकेँ पटनामे संगठन जन सुराजक युवा कार्यकर्ताक संग बैसार कयलखिन। ओ कहलनि जे बिहारक जनता मिलि कए ई पार्टी बना रहल अछि। हम लालू-नीतीशक ३० सालक सरकारसँ आजादीक लेल काज कए रहल छी। बिहारमे विकल्पक अभावमे मुस्लिम समाज भाजपाक डरसँ लालटेनकेँ वोट दैत अछि। लालटेनसँ धीरे-धीरे मटिया तेल निकलि रहल अछि। भाजपाक वोट बैंक पर ओ कहलनि जे लालू यादवक डरसँ लोक भाजपाकेँ वोट दैत छथि।

ओ आगू कहलनि जे ओ प्रशांत किशोरकेँ व्यापारी कहैत छलाह। आब ओ सभ कहय लागल छथि जे प्रशांत किशोर लग नहिं जाउ। हुनका पता हेबाक चाही जे जखन हुनकर बाबूजीक करियर डूबय वाला छल तखनि नीतीशजी जिनका लग गेल छलाह ओ सेहो प्रशांत किशोरे छल। बिहारक जनता हुनका एहन पटखनी देत।

प्रशांत किशोर कहलनि जे नीक भविष्यक लेल हम २ तारीखकेँ बिहारक लेल एकटा दल बना रहल छी। पहिने हम सभ अलग-अलग दलक लेल काज करैत छलहुं, आब बिहारक जनताक लेल काज कए रहल छी। ओ आगू कहलखिन जे राजनीतिक बंधुआ मजदूरी भऽ रहल अछि। हम दू सालसँ गाम-गाममे घूमि रहल छी।

चुनाव रणनीतिकार आगू कहलनि जे नीतीश कुमार १९ सालसँ सत्तामे छथि। १५ सालसँ भाजपाक संग छथि। केंद्र सरकार सीएम नीतीशक सांसद पर चलि रहल अछि। नीतीश कुमार मुरैठा खोलबौलनि, नीतीश कुमार चीनी मिल शुरू नहिं कयलथि। बिहारक मुख्यमंत्री के कहबाक चाहैत छल जे चीनी मिल शुरू भेला पर हम अहांकेँ समर्थन करब, मुदा ओ तऽ ओहि लोककेँ भाजपामे सेट कए लेने छथि जे हुनका परेशान करैत छलाह। ओ कुर्सी पर बस बनल रहैथ, ताहिसँ मात्र मतलब, बिहारसँ हुनका की मतलब अछि ?

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *