दिल्लीक एकटा कोचिंग सेंटरमे तीनटा छात्रक मृत्युक बाद आब पटनामे जिला प्रशासनकेँ सेहो सतर्क कऽ देल गेल अछि। जिला मजिस्ट्रेट पटनाक सभटा कोचिंग सेंटरक निरीक्षणक आदेश देलनि अछि।
पटनाक एकटा कोचिंग सेंटरक तहखानामे पानि भरलासँ सिविल सेवाक तैयारी कय रहल तीनटा विद्यार्थीक मृत्यु भऽ गेल। एहि घटनाक बाद आब पटना जिला प्रशासन सेहो एहेन सभ संस्थानक जाँच करबाक आ नियमक उल्लंघन करैत संचालित संस्थाक विरुद्ध कारवाई करबाक निर्देश देलक अछि। पटना जिला प्रशासन दिल्ली घटनाकेँ देखैत सब अनुमंडलक संबंधित अधिकारीकेँ अपन-अपन क्षेत्रक सब कोचिंग सेंटरक दस्तावेजक सत्यापन करय केर निर्देश देलक अछि।
पटनाक जिलाधिकारी चन्द्रशेखर सिंह सोमदिन कहलनि जे कोचिंग सेंटरक जाहि दस्तावेजक सत्यापन करबाक आवश्यकता अछि ओहिमे सम्बन्धित प्राधिकारीसँ अनिवार्य अनुमति आ अन्य आवश्यक अनापत्ति प्रमाणपत्र सम्मिलित अछि। डीएम कहलनि जे अधिकारीसभकेँ एकरा लेल अपन-अपन क्षेत्रमे विशेष टीमक गठन करबाक लेल कहल गेल अछि। ओ कहलनि जे अधिकारीसभकेँ निर्देश देल गेल अछि जे ओ संस्थानक विरुद्ध कारवाई करथि जे मानदंडक उल्लंघन कऽ रहल अछि। डीएम कहलनि जे पटना जिला प्रशासन भविष्यमे कोनो अप्रिय घटनासँ बचबाक लेल एहतियाती उपायक रूपमे ई निर्णय लेलक अछि।
अधिकारीसभकेँ १५ दिनक भीतर प्रक्रिया पूरा करबाक निर्देश देल गेल अछि। पटनामे लगभग ३०० कोचिंग सेंटर अछि।
जिलाधिकारी कहलनि, “पटनामे अवैध रूपसँ संचालित सब कोचिंग सेंटरक खिलाफ सख्त कारवाई कएल जाएत। पटना नगर निगम (पीएमसी) शहरमे कोचिंग सेंटरक पहिचान करबाक लेल सेहो अपन अभियान शुरू कयलक अछि जे ओहि भवनमे संचालित अछि जे भवनसँ सम्बन्धित आवश्यक मानदंडकेँ पूरा नहि करैत अछि। पटना नगर निगम आयुक्त अनिमेश कुमार पराशर सोमदिन कहलनि जे दिल्लीमे भेल दुखद घटनाक बाद पीएमसी एहन भवनमे चलि रहल कोचिंग सेंटरक पहिचान करबाक अभियान शुरू कयलक अछि, जे कोचिंग ओहेन इमारतमे चलि रहल अछि, जे भवन संबंधी आवश्यक मापदंड पुरा नहिं करैत अछि।