सीएम साइंस कॉलेज, दरभंगाक राष्ट्रीय सेवा योजना इकाई केर तत्वावधानमे सोम दिन ‘फाइलेरिया उन्मूलनमे छात्र केर सहभागिता’ विषय पर जागरूकता लेल संगोष्ठी केर आयोजन कयल गेल। मुख्य वक्ता केर रूपमे उपस्थित पीसीआई इंडियाक एलएफ कार्डिनेटर सरिता कुमारी फाइलेरिया रोग केर कारण, बचाव आ सावधानी पर विस्तृत चर्चा कयलनि। अपन संबोधनमे ओ बतेलनि जे मादा मच्छर कें कटबा सँ ई बीमारी होइत अछि आ एहि रोग सँ एक बेर ग्रसित भेला बाद ई जीवन भरि पछोड़ नहि छोड़ैत अछि। तें एकर बचावे मे एकर निदान सन्निहित अछि। ओ कहलनि जे सरकार प्रत्येक वर्ष सालमे दू बेर एहि सँ बचाव लेल टीकाकरण अभियान चलबैत अछि। एहि साल 10 अगस्त सँ भारत सरकार द्वारा ई टीकाकरण अभियान चलाओल जायत। एहि अभियानमे अनिवार्य रूप सँ छात्र-छात्रा लोकनिक भागीदारी सुनिश्चित करबा लेल हुनका लोकनि कें शपथग्रहण कराओल गेल। एनएसएस केर कार्यक्रम पदाधिकारी डा सत्येन्द्र कुमार झा केर संयोजनमे आयोजित कार्यक्रम केर अध्यक्षता प्रधानाचार्य प्रो दिलीप कुमार चौधरी कयलनि। अध्यक्षीय संबोधनमे ओ फाइलेरिया मुक्त भारत केर निर्माणमे छात्र-छात्रा लोकनिक महत्वपूर्ण भूमिका कें रेखांकित कयलनि। कार्यक्रममे स्वयंसेवक मो. आशु, विवेक कुमार सिंह, सुनीधि गुप्ता, निशा कुमारी, दीपू कुमार, सोनू कुमार, रौशनी कुमारी, आरती कुमारी, रोशनी आदि अपन सक्रिय सहभागिता देलनि।