अंतर्राष्ट्रीय योग दिवसक अवसर पर शुक्रदिन सीएम साइंस कॉलेजमे योगाभ्यास कार्यक्रमक आयोजन कयल गेल। महाविद्यालयक एनसीसी आ एनएसएस इकाई केर संयुक्त तत्वावधानमे आयोजित कार्यक्रमक शुभारंभ प्रधानाचार्य प्रो दिलीप कुमार चौधरी कयलनि। एहि अवसर पर ओ कहलनि जे स्वस्थ तन-मन लेल योग जरूरी अछि। योग धर्म नहिं विज्ञान अछि। ई शरीर, मन आ आत्माकें परमात्मासँ जोड़बाक विधान अछि। ओ कार्यक्रममे उपस्थित लोककें अंतर्राष्ट्रीय योग दिवसक बधाई आ शुभकामना देलनि। बर्सर डा उमेश कुमार दास योगसँ होबय बला लाभ केर बारेमे विस्तारसँ जानकारी देलनि। कार्यक्रमक संयोजक सह एनएसएस केर कार्यक्रम पदाधिकारी डा सत्येन्द्र कुमार झा स्वस्थ रहबा लेल योगकेँ अपन दैनिक जीवनमे शामिल करबाक संकल्प दियोलनि।
कार्यक्रममे अतिथि योग प्रशिक्षिका तन आ मन केर बीच सामंजस्य स्थापित करैत योगसँ स्वस्थ्य जीवन लेल विभिन्न कला-आसन केर योगाभ्यास करौलनि। कार्यक्रममे शामिल शिक्षक, शिक्षकेत्तर कर्मचारी आ छात्र-छात्रा द्वारा योगाभ्यास, प्राणायाम ओ ध्यानक प्रदर्शन कयल गेल। मौका पर कृष्ण कुमार चौधरी, प्रवीण कुमार झा, पवन कुमार ठाकुर, चेतकर झा, सतीश कुमार, राजेश कुमार सिंह, जितेंद्र कुमार महतो, रतन मिश्रा, जितेंद्र राम आदि सहित एनसीसी कैडेट आ एनएसएस स्वयंसेवक केर उल्लेखनीय उपस्थिति रहल।