प्रखंड क्षेत्रक महिनाममे जीवमात्रक कल्याण लेल आयोजित साप्ताहिक भागवत कथा यज्ञक समापन बृहस्पतिकेँ ब्राह्मण आ साधू संतक भोजनोपरान्त शोभायात्रा आ नगर परिक्रमाक संग भेल ।
शोभायात्रामे जुमल श्रद्धालु सबहक भीड़ गाजा बाजा संग भावविभोर भगवत नाम लैत चलि रहल छलाह । ओहि मौका पर आयोजित भजन कीर्तन आ प्रवचनसँ पुरा इलाकाक माहौल भक्तिमय बनि गेल छल। व्यास गद्दीसँ वेदान्ती भगवान श्री कृष्ण द्वारा अपन भक्तक रक्षार्थ कयल गेल अनेको कौतूहलक वर्णन करैत भगवान श्रीकृष्ण द्वारा उठाओल गेल गोवर्धन पर्वत आ कंस बधक कथा केर मार्मिक चित्रण कऽ उपस्थित श्रद्धालु सभकेँ भावविभोर कऽ देलन्हि।
ओ श्रद्धालु सभकेँ भगवान द्वारा पर्वत उठेबाक औचित्य पर तर्कपूर्ण व्याख्या कय धर्म आ भगवानक अस्तित्वकेँ स्थापित करैत कंश बधक मार्मिक कथा कहि लोक सभकेँ भाव विभोर कऽ देलन्हि।
यजमान आचार्य रेवती रमण झा आ फूल देवी भागवत कथा यज्ञ समापनक बाद कहलनि जे एहि कथा यज्ञक सफल संचालनमे इन्द्रेश झा, कमलेश झा, कौशल कुमार झा, प्रिंस कुमार झा, शिवम झा सहित ग्रामीणक भरपूर सहयोग भेटल।