जम्मू-कश्मीर नेशनल कॉन्फ्रेंस (जेकेएनसी)क अध्यक्ष फारूक अब्दुल्ला सोमदिन धार्मिक स्थलक सर्वेक्षण पर कड़गर आपत्ति जतौलनि।
उमराहसँ घुरलाक बाद श्रीनगरमे संवाददातासभक प्रश्नक उत्तर दैत फारूक अब्दुल्ला कहलनि, “हम अल्लाहसँ प्रार्थना कयलहुँ जे एखनुक हमर सभक कठिनाइसँ बाहर निकालू जकर सामना हमसभ कऽ रहल छी। हम लोकक लेल सही मार्ग प्रशस्त करैत छी। हमरा शैतानसँ दूर राखू। हमर हिन्दुस्तानमे जे घृणा पसरि रहल अछि तकरा समाप्त करू।”
एकटा प्रश्नक उत्तरमे ओ कहलनि जे जतेक भऽ सकैत छल, हम अल्लाहकेँ दरबारक सोझाँ प्रार्थना कयलहुँ। अल्लाह हमर कठिनाईकेँ कम करू आ हमर भाईचाराकेँ कायम राखू। धर्मक बीच जे घृणा उत्पन्न भऽ रहल अछि ओकरा समाप्त करू।
सम्भलमे जामा मस्जिदक सर्वेक्षण आ अजमेरक दरगाहक सर्वेक्षणक माँगकेँ लऽ कऽ भेल हिंसा पर ओ प्रतिक्रिया देलनि अछि। फारूक अब्दुल्ला कहलनि जे देशक मजहब सभमे घृणा उत्पन्न कयल जा रहल अछि। एहिमे कोनो सन्देह नहि अछि जे मुसलमान असुरक्षित महसूस कए रहल अछि। एहि सरकारकेँ मुसलमानक संग समान व्यवहार करबाक चाही।
ओ आगू कहलनि जे मुसलमान एहि समय असुरक्षित महसूस कऽ रहल अछि। हम चाहैत छी जे सरकार एकरा रोकय। ओ २४ करोड़ मुसलमानकेँ समुद्रमे नहि फेकि सकैत अछि। मुसलमानक संग समान व्यवहार करू। हमर देशक संविधानमे धर्मक आधार पर कोनो भेदभाव नहि अछि। जँ ओ लोकनि एहि देशक संविधानकेँ नष्ट कऽ दैत छथि तखन भारत कतऽ रहत ?” ओ कहलनि, “हम अल्लाहसँ दुआ कयलहुँ अछि जे हमरासभकेँ एहि मुश्किलसँ बाहर निकालू।