निर्वाचक निबंधन पदाधिकारी सह अनुमंडल पदाधिकारी शंभूनाथ झा केर अध्यक्षतामे 80 बेनीपुर विधानसभा क्षेत्रक सभ बी एल ओ केर संग अनुमंडल पदाधिकारीक कार्यालय प्रकोष्ठमे मतदाता सूचीक विशेष संक्षिप्त पुनरीक्षण 2025 लेल एकटा बैसार भेल। एहि बैसारमे 9 -11 लिंगानुपात वला बी एल ओ कें विशेष रूपसँ निर्देशित कयल गेल।
बैसार केर संबोधित करैत अनुमंडल पदाधिकारी शंभूनाथ झा द्वारा 1 जनवरी 2025 केर अहर्ता तिथिक आधार पर मतदाता सूचीमे नव मतदाताक नाम प्रपत्र 6 द्वारा जोड़बाक संबंधमे जानकारी देल गेल। ओ प्रपत्र 7 केर माध्यमे मृत मतदाताक नाम विलोपित करबाक आ प्रखंड बार 80 या 80 सँ ऊपर आयु वर्गक मतदाताक मतदान केंद्र बार बीएलओ केर माध्यमसँ सत्यापन करेबाक बात कहलनि। बैसारमे अवर निर्वाचन पदाधिकारी सुदीप शंकर झा सहित सभ बी एल ओ उपस्थित छलाह।