बलूचिस्तान प्रांतमे सोमदिन भेल आतंकवादी हमलामे ७० सँ बेसी लोकक मृत्यु भऽ चुकल अछि। संयुक्त राष्ट्र महासचिव एंटोनियो गुटेरेस एहि घटनाक कड़ा निन्दा कयलनि अछि।
संयुक्त राष्ट्र प्रमुखक प्रवक्ता स्टीफन दुजारिक सोमकेँ एकटा प्रेस कॉन्फ्रेंसमे कहलनि, “महासचिव एंटोनियो गुटेरेस २६ अगस्तकेँ पाकिस्तानक बलूचिस्तान प्रांतमे भेल आतंकी हमलाक निन्दा कयलनि अछि।”
ओ कहलनि जे महासचिव एहि बातपर जोर देलनि जे निर्दोष नागरिकसभ पर हमला अस्वीकार्य अछि।
दुजारिक कहलनि, “संयुक्त राष्ट्र प्रमुख पीड़ित परिवारक प्रति गहरा संवेदना व्यक्त करैत छथि आ पाकिस्तान सरकारसँ एहि मामिलाक जाँच करबाक आह्वान करैत छथि। ओ पाकिस्तान सरकारसँ एहि घटनामे शामिल लोकक जवाबदेही सुनिश्चित करबाक लेल सेहो कहलनि अछि।”
स्थानीय मीडिया सेना आ पुलिस अधिकारीसभक हवाला दैत खबरि देलक जे दक्षिण-पश्चिम पाकिस्तानक बलूचिस्तान प्रांतमे आतंकवादी हमलामे ७० सँ बेसी लोकक मृत्यु भऽ गेल अछि। पाकिस्तानक सेना कहलक जे लासबेला जिलाक एकटा शहर बेलामे एकटा प्रमुख राजमार्ग पर वाहनसभकेँ निशाना बनबैत एकटा पैघ हमलामे १४ सैनिक आ पुलिसक सङ्ग २१ आतंकवादी मारल गेल।
स्थानीय अधिकारी सभ कहलनि, “मुसाखेल जिलामे हमलावर सभ कथित रूपसँ हुनकर काफिलाकेँ रोकि ओकर आईडी चेक कयलनि। एहि दौरान ओसभ ३५ गाड़ीमे आगि लगा देलक आ पंजाबक २३ नागरिकक हत्या कऽ देलक।”
रेलवे अधिकारी मुहम्मद काशिफ कहलनि जे सोमदिन बोलन शहरमे एकटा रेल पुलपर भेल विस्फोटक बाद क्वेटा रेल यातायात स्थगित कऽ देल गेल छल। ई रेल मार्ग क्वेटाकेँ शेष पाकिस्तानसँ जोड़ैत अछि। पड़ोसी देश ईरानक सङ्ग सेहो रेल सम्पर्क अछि। रेलवे पुल पर हमला स्थल लग पुलिस द्वारा एखनि धरि छओ अज्ञात शव भेटल अछि।
पाकिस्तानक गृह मंत्रालय कहलक जे मारल गेल लोक निर्दोष नागरिक छल।घायलसभकेँ निकटतम अस्पताल डेरा गाजी खानक अस्पतालमे लऽ जायल गेल।
एम्हर राष्ट्रपति आसिफ अली जरदारी आ गृह मंत्री मोहसिन नकवी एहि हमलाकेँ बर्बर बतौलनि आ कहलनि जे हमलावर बचि नहिं सकत।