अमेरिकी राष्ट्रपति डोनाल्ड ट्रंप अपन यूक्रेनी समकक्ष वोलोदिमिर जेलेंस्की संग एक घंटा धरि फोन पर ‘ बहुत नीक’ वार्ता कएलनि। रूसक राष्ट्रपति व्लादिमीर पुतिन संग बातचीत कएलाक एक दिन बाद हुनक जेलेंस्की संग ई फोन वार्ता भेल। जेलेंस्की बादमे कहलनि जे ओ विश्वास करैत छथि जे ट्रंपक नेतृत्वमे ‘एहि वर्ष स्थायी शांति हासिल कएल जा सकैत अछि।
मीडिया रिपोर्टक अनुसार व्हाइट हाउस कहलक जे यूक्रेनक परमाणु ऊर्जा संयंत्र सभ पर संभावित अमेरिकी स्वामित्व पर सेहो चर्चा कएल गेल। मुदा बादमे जेलेंस्की कहलनि जे ई मात्र रूसक कब्जा कयल गेल प्लांटक बारेमे छल।
कॉलक लहजा पछिला महीनासँ अलग छल, जखनि यूक्रेनी राष्ट्रपति केर व्हाइट हाउसमे प्रेसिडेंट ट्रंप आ उपराष्ट्रपति जेडी वेंस संग तीक्षण बहस भेल छल। बुधकेँ पहिल बेर दुनू नेता ओवल ऑफिसमे भेल बैसारक बाद बात कयलनि। तखनेसँ, दुनू देशक टीम सऊदी अरबमे भेंट क’ चुकल अछि आ प्रस्तावित 30-दिवसीय युद्धविराम पर बातचीत क’ चुकल अछि। युद्धविराम प्रस्तावकेँ यूक्रेन आ अमेरिकाक समर्थन प्राप्त अछि, मुदा ट्रंप संग बातचीतक बाद व्लादिमीर पुतिन यूक्रेनमे तात्कालिक आ पूर्ण युद्धविरामकेँ अस्वीकार क’ देलनि। ओ मात्र ऊर्जा ढाँचा पर हमला रोकबाक लेल सहमति देलनि। ट्रंप संग बातचीतक दौरान, जेलेंस्की कहलनि जे ओ आंशिक युद्धविराम खातिर तैयार छथि, जाहिमे ऊर्जा ढाँचा, रेल आ बन्दरगाह पर हमला रोकब शामिल अछि, मुदा यूक्रेनी राष्ट्रपति चेतावनी देलनि जे जँ मॉस्को युद्धविरामक शर्त सभकेँ उल्लंघन क’ दैत अछि त’ हुनकर देश जवाबी कार्यवाही करत।
अमेरिकी विदेश मंत्री मार्को रुबियो कहलनि जे ट्रंप यूक्रेनकेँ विशेष रूप’सँ यूरोपमे अतिरिक्त वायु रक्षा प्रणाली प्राप्त करबामे मदद करबा पर सहमति जतौलनि। ओ कहलनि जे दुनू नेता ‘युद्धक मैदानक स्थिति संगहि अपन रक्षा कर्मचारीक बीच जानकारीकेँ बारीकीसँ साझा करबाक पर सहमति देलनि।
रुबियो’क बयानमे ई सेहो कहल गेल कि ट्रंप आ जेलेंस्की ‘यूक्रेनक पावर सप्लाई आ परमाणु ऊर्जा संयंत्रक’ विषय पर चर्चा कयलन्हि, जाहिमे ट्रंप कहलनि जे “संयुक्त राज्य अमेरिका अपन विशेषज्ञता संग ओहि संयंत्र केँ पुनः चालू करवामे बहुत मददगर भ’ सकैत अछि।”