मैथिली अधिकार दिवसक रूपमे दू दिवसीय 22म अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलनक शुभारंभ रवि दिन 22 दिसंबरकेँ बाबानगरी देवघर स्थित ‘मैरेज गार्डन’मे भऽ रहल अछि। सम्मेलनक प्रधान महासचिव सह विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव डॉ बैद्यनाथ चौधरी बैजू बतेलनि जे पं विनोद दत्त द्वारी एहि आयोजन केर स्वागताध्यक्ष हेताह। हुनका संग मिलि डा बैजूक नेतृत्वमे सलाहकार समितिक अध्यक्ष सह मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष पं कमलाकांत झा, विचार गोष्ठी प्रभारी मणिकांत झा, स्वागत महासचिव प्रो जीव कांत मिश्र, शोभायात्रा प्रभारी प्रो विजयकांत झा आ मीडिया संयोजक प्रवीण कुमार झा एहि आयोजनक अंतिम रूप देबा संग सम्मेलनमे देवघरक आम आ खास लोककेँ आमंत्रित करबा लेल निरंतर जन संपर्क अभियान करबामे लागल छलथि।
डॉ बैजू कहलनि जे सम्मेलनक शुभारंभ रविदिन 22 दिसम्बर केर प्रातः बेलामे पारंपरिक मैथिल परिधानमे भव्य शोभायात्राक संग होयत। जखनकि संध्या बेलामे मंगलाचरणक संग उद्घाटन समारोह आयोजित कयल जायत। ‘मिथिलामे उद्योग एवं पर्यटन स्थलक बदहाल स्थिति : कारण आ निवारण ‘ विषयक विचार गोष्ठी, मिथिला रत्न सम्मान समारोह ओ विद्यापति संगीत मिथिलावासी एवं देवघर वासी दर्शक लोकनिक विशेष आकर्षणक केंद्र बनत। ओ बतेलनि जे लगातार दू दिन धरि देवघरमे आयोजित होबय बला एहि सम्मेलनमे हजारक संख्यामे मिथिलावासी आ प्रवासी मैथिल भाग लेताह। सम्मेलनमे विशेष रूपसँ रामजन्म भूमि केर तर्ज पर पुनौरा धाम स्थित जानकी जन्मभूमि केर संरक्षण सहित मिथिलाक सर्वांगीण विकास लेल पृथक मिथिला राज्यक गठन केर मांग पर विशेष जोर रहत।
मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष पं कमलाकांत झा कहलनि जे ई आयोजन अनेक रचनात्मक कीर्तिमान गढ़बामे सफल होयत। एहि आयोजनक बहन्ने मिथिलाक लोककेँ बाबा बैद्यनाथ संग पौराणिक ओ आध्यात्मिक संबंधकेँ परखबामे मदति भेटत। सम्मेलनक अध्यक्ष डॉ महेंद्र नारायण राम बतेलनि जे दू दिवसीय अंतरराष्ट्रीय सम्मेलनक दौरान मणिकांत झाक संचालनमे होबय बला संगोष्ठीमे वासी आ प्रवासी प्रतिभागी जतय अपन रचनात्मक विचार रखताह, ओतहि, गायिका आ कवयित्री सोनी चौधरी केर संयोजनमे भव्य सर्व भाषा कवि सम्मेलनक आयोजन कयल जायत।
ओ बतेलनि जे एहि अवसर पर मिथिलाक धार्मिक पर्यटन स्थल पर केंद्रित ‘बैद्यनाथम्’ नामसँ स्मारिका केर प्रकाशन सेहो कयल जायत। स्मारिका केर संपादनक कार्य डॉ महेंद्र नारायण राम आ प्रवीण कुमार झा केर संयुक्त देखरेखमे अंतिम चरणमे अछि। ओ बतेलनि जे मैथिली अकादमी केर पूर्व अध्यक्ष पं कमलाकांत झा आ सम्मेलनक महासचिव प्रो जीव कांत मिश्रक संयोजनमे दूनू दिन विद्यापति संगीत आ आकर्षक सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन संगहि 24 दिसंबरकेँ बाबा बैद्यनाथक दरबारमे भव्य भजन संध्याक आयोजन कयल जायत। जाहिमे कुंजबिहारी मिश्र, रामबाबू झा, भगवान बाबू झा, डॉ रामसेवक ठाकुर, नवल-नंद, सोनी चौधरी, डॉ सुषमा झा, डॉ ममता ठाकुर, विभा झा, नीतू कुमारी सहित मैथिली मंचक दर्जनसँ बेसी शीर्षस्थ कलाकार अपन कलाक जादू बिखेरताह।
मीडिया संयोजक प्रवीण कुमार झा बतेलनि जे एहि सम्मेलनमे भाग लेबा लेल मिथिलाक विभिन्न इलाकासँ अयनिहार प्रतिनिधि 21 दिसंबरकें जयनगर-पुरी एक्सप्रेस आबि साँझमे गंगासागर एक्सप्रेस आ मिथिलांचल एक्सप्रेससँ गंतव्य लेल प्रस्थान कयलाह।
मणिकांत झा कहलनि जे ई आयोजन मिथिला आ बाबा धामक अंतर्संबंधकेँ जीवंत बनयबामे मीलक पाथर साबित होयत। महासचिव प्रो जीव कांत मिश्र कहलनि जे ई आयोजन मिथिलावासीक उत्कर्षक एकटा नव स्वरूप प्रदान करबामे महत्वपूर्ण भूमिका निमाहत। आयोजन कें भव्य रूप देबामे आयोजक श्री बैद्यनाथ पंडा कीर्तन मंडली केर सदस्य लोकनि संग मिथिलासँ आयल विनोद कुमार झा, प्रो विजय कांत झा, डॉ गणेश कांत झा, प्रो चंद्रशेखर झा बूढ़ा भाई, आशीष चौधरी, पुरुषोत्तम वत्स, मनीष झा रघु, राम कुमार यादव, मदन यादव, सूरज झा, कैप्टन मनोज आदि जी-जानसँ जुटल छथि।